26 तब हाकिमसब कप्तानसबसङे ज्याके परेरितसबके पकैरके आनल्कै। लोकसब पथल फेकके मारत से डरसे परेरितसबके जबरजस्ती नै कैरके आनल्कै।
अहै कारन हेरोद युहन्नाके मारैले बिचार करने रहै, महज उ लोकसबसे डराइछेलै, कथिलेत उ लोकसब युहन्नाके अगमबक्ता मानैछेलै।
महज ‘लोकसबसे’ कहबै त, अपनासबके लोकसबसे डर छै। कथिलेत सबलोक युहन्नाके अगमबक्ता चियै कैहके मानैछै।”
महज उसब कहल्कै, “पाबैनके बखत यि काम करनाइ उचित नै छै, नै त लोकसबमे बारका हुलदङा मैच जेतै।”
पतरुस दुरेसे ओकर पछा लागल परधान पुजारीके अङना तक गेलै। आब कथी हेतै कैहके देखैके लेल भितर ज्याके नोकरसबसङे बैठलै।
तब धरमगुरुसब आ मुल पुजारीसब येसुके तखुन्ते पकरैले चाहल्कै, कथिलेत उसब जानैछेलै कि यि दिस्टान्त ओहैसबके बिरुधमे कहने रहै। महज उसब लोकसबसे डराबै छेलै।
‘मानबसे’ कहबै त, सब लोकसब मिलके पथल बरसाके हमरासबके माइरदेतै, कथिलेत युहन्ना अगमबक्ता छेलै से उसब बिस्बास करैछै।”
मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब येसुके कनङके मारबै से मौका ताकैछेलै, महज उसब लोकसबसे डराइछेलै।
तब उ मुल पुजारी आ मन्दिरके लठैतसब लग ज्याके येसुके कनङके पकराइबै कैहके सर-सल्लाह करल्कै।
ओइसबसङे सजाय दैके कोनो उपाय नै भेलासे डर-धम्की द्याके छोइरदेल्कै, कथिलेत जे घटना घटल छेलै ओइ घटनाके खातिर सब लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैतरहै।
लोकसब तैयो ओइसबके आदर करैत रहलै, महज ओकरासबमेसे ककरो ओइसबसङे सामेल हैके साहस नै भेलै।
महज हाकिमसब ओइसबके जहलमे नै भेटलासे आइबके यि खबर देल्कै,
जब यि बात मन्दिरके कप्तान आ मुल पुजारीसब सुनल्कै तब अइसबके नतिजा कथी हेतै कैहके परेरितसबके बारेमे दोधारमे पैरगेलै।
तहै बखत कोइ एक गोरा आइबके कहल्कै, “सुनैचियै, जै लोकसबके अहाँसब जहलमे राखने छेलियै, उसब त मन्दिरमे ठार भ्याके लोकसबके सिक्छा दरहलछै।”