12 परेरितसबके हाथसे लोकसबके बिचमे बहुत चेन्हासब आ आस्चरजके कामसब हैतरहै। उसब सोलोमनके दरबजामे सङे एक जुट हैतरहै।
तब चेलासब सब ठामसबमे ज्याके परचार करल्कै। परभु उसबके मदत करल्कै आ अचममे कामसबसे ओकरासबके बचनमे सत छै कैहके ठहरेल्कै।]
येसु मन्दिरके सोलोमन नामके दलानमे टहलैछेलै।
येसु ओकरा कहल्कै, “तुसब जाबे तलिक अजगुतके कामसब आ चेन्हासब नै देखबिही ताबे तलिक कहियो नै बिस्बास करबही।”
ओइमेसे कतहेक छौरी-मौगी आ येसुके माँ मरियम आ ओकर भाइसब सङे उसब एके मनके भ्याके लगातार परथना करैतरहै।
पावल आ बरनाबास ओते बहौत दिनतक रहलै। उसब निडर भ्याके परभु येसुके खातिर परचार करैत रहलै। परभु ओकरासबके हाथसे चेन्हासब आ अच्चमके कामसब कैरके आपन किरपाके बिसयमे ओकरासबके परचारके सत ठहराइल्कै।
उ छौरी बहौत दिनतक ओहिनङ करैत रहलै। बादमे पावल एक दिन दिक्क भ्यागेलै तब ओकर दिसन घुइमके भुत आत्माके कहल्कै, “हम येसु खिरिस्टके नाममे हम तोरा आग्या दैचियौ, तु यि छौरीसे निकैलके चैलजो।” पावल यि बात कहैत मातर उ भुत आत्मा ओइ छौरीसे निकैलके चैलगेलै।
परमेस्वर पावलके हाथसे अदभुत आस्चरजके कामसब करल्कै।
उसब एकेमन भ्याके सबदिन मन्दिरमे जमा हैछेलै, घर-घरमे परभु भोज करै आ सबकोइ खुसी मनसे मिल-जुइलके खाइछेलै,
यि घटना देखके टपुके औरो रोगी बिमारीसब आबे लाग्लै आ उसब निक भेलै।
उ निक भेल्हा लोक पतरुस आ युहन्नाके पकरने छेलै तखने आस्चरज भेल लोकसब सोलोमन नामके दलानमे दौरके एलै।
आ निक करैले अहाँ आपन हाथ बरहाइत, आपन पबितर सेबक येसुके नामसे आस्चरज कामसब हैतरहे।”
ओते उ एनियास नाम भेल्हा लोकके भेटलै। जे आठ बरिससे लकबा मारलाके कारन बिछोनामे परल छेलै।
तकरबाद पतरुस सबलोकके घरसे बाहर निकालल्कै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करल्कै। तब लहास दिसन घुइमके कहल्कै, “तबिता, उठ!” तब उ आँख उघारल्कै त सामनेमे पतरुसके देखके उइठके बैठलै।
उसब परमेस्वरके आत्माके सक्ती, अचमके चेन्हासब आ कामसब दुवारा बिबस करलगेल छेलै। अहिनङे हम यरुसलेमसे इल्लुरिकन परदेसतक पुरे खिरिस्टके सुसमाचारके परचार करने चियै।
हम पुरा धिरजकेसाथ सक्तिसाली आ अचमके कामसब कैरके तोरासबके बिचमे खिरिस्टके परेरित भेल परमान देनेचियौ।
परमेस्वर बहुतरा चेन्हासब देखाके बहुत किसिमके आस्चरजके कामसब आ सक्तीसाली कामसब करैत उ आपन इक्छा बमोजिम पबितर आत्माके दान-बरदानसब द्याके यि बातके गबाही देल्कै।