4 महज बचन सुनैबला बहौत लोकसब बिस्बास करल्कै आ बिस्बास करैबला मरद-पुरुख बैढके पाँच हजार भेलै।
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, जाबेतक गहुमके दाना माटीमे पैरके नै मरैछै ताबेतक उ एकटा दाना मातरे रहैछै। महज यदि उ मैरजाइछै त, बहौत फल फराइछै।
तब जे-जे ओकर बातमे बिस्बास करल्कै, सेसब बप्तिस्मा लेल्कै आ ओहै दिन करिब तिन हजार लोक बिस्बासीसबके समुहमे थपेलै।
आ परमेस्वरके परसन्सा करैक। औरो लोकसबसेहो ओकरासबके असल नजैरसे देखैक। तब उदार पाबैबलासबके समुहमे दिन-दिने परभु बिस्बासीसबके संख्या थैप दैछेलै।
कतहेक गोरा बुइझके बिस्बास करल्कै त, कतहेक गोरा नै करल्कै।