36 जनङ साइपरस देसके लेबी खानदानके योसेफ, जकरा परेरितसब बरनाबास कैहके नाम राखनेरहै (जकर अरथ उत्साह दैबला लोक हैछै)।
जब्दियाके बेटासब याकुब आ युहन्ना, जैसबके उ बोअनरगेस, अरथात मेघ गरजनके बेटासब कैहके नाम देल्कै।
अहिनङे उसब उठेल्हा पैसा बरनाबास आ साउलके हाथे यरुसलेम मन्डलीके रेखदेख करैबलासबके पठादेल्कै।
अने बरनाबास आ साउल यरुसलेममे सहयोग करैबला काम पुरा कैरके घुइम एलै। ओकरासबके सङे मरकुस कहाइबला युहन्नोके आनल्कै।
एन्टिओखिया सहरके मन्डलीमे अगमबक्तासब आ सिक्छा दैबला लोकसब रहै। उसब बरनाबास, करिया कहाइबला सिमियोन, कुरेनीमे रहैबला लुकियस, रजा हेरोदेसङे पालन-पोसन भेल मनेन आ साउल रहै।
मोसाके देल बेबस्था आ अगमबक्तासबके लिखल किताब पढ़लाके बाद, सभाघरके अगुवासब पावल आ बरनाबासके बोल्याके कहल्कै, “हे यौ भैयारीसब! यदी अहाँसबसे लोकसबके साहसके खातिर कुछो कहैले चाहैचियै त, कहु।”
एक दिन उसब उपासे रैहके परभुके आराधना करैबखत पबितर आत्मा कहल्कै, “सुन, जै कामके खातिर हम तोरासबके बोलाइने चियौ, ओहै कामके खातिर बरनाबास आ साउलके चुन।”
बरनाबास आ साउलके पबितर आत्मा पठेलाके कारन उसब एन्टिओखियासे सिकुलिया सहरमे गेलै। ओतेसे उसब समुन्दरके यातरा पार कैरके साइपरस टपुमे गेलै।
सभाके सबलोक चुप भेलै जब बरनाबास आ पावल ओइसबके परमेस्वर केहन-केहन आस्चरजके चेन्हा आ कामसब गैर-यहुदीसबके बिचमे ओइसबसे करने छै कहल्कै।
तब पावल आ बरनाबासके ओइसबसङे बहौत कहा-कही आ झगरा भेलाके बाद ओतेका बिस्बासीसब यि सबालके खातिर सरसल्लाह करैले पावल आ बरनाबास आ औरो लोकसबके परेरितसब आ मन्डलीके रेखदेख करैबलासब लग यरुसलेम पठाइले निरनय करल्कै।
बरनाबास मरकुस कहाइबला युहन्नाके ओइसबके सङे लजाइले इक्छा करल्कै, जकर नाम मरकुस रहै।
ओहै बातमे पावल आ बरनाबासके अतहेक मनमोटाब भेलै कि बादमे उसब अलग-अलग भ्यागेलै। बरनाबास मरकुसके साथमे ल्याके साइपरस टपु दिसन गेलै।
कैसरियाके कुछ बिस्बासीसब सेहो हमरासबकेसङे एलै। उसब हमरासबके साइपरसके एक गोरा पुरान चेला मनासोनके घरमे ल्यागेलै।
जाइते जाइते साइपरस देखा परलै आ ओकर दछिन कातसे सिरिया परदेस हैत हमसब टुरोस सहरमे एलियै। ओतै जहादसे मालसमान उतारल्कै आ हम्हुसब उतरलियै।
ओतेसे फेनो हमसब पानी जहादमे चललियै आ हबा उलटाकातसे बहैके कारन हमसब साइपरस टपुके सहारा लैत गेलियै।
महज बरनाबास साउलके आपनसङे परेरितसब लग ल्याके गेलै। तब साउल रस्तामे परभुके देखल आ परभु ओकरसङे बोलल आ दमस्कसमे साहसके साथ येसुके नाममे परचार करलहा बातसब ओइसबके कैहदेल्कै।
महज जे अगमबानी बोलैछै, उ दोसर लोकसबके आत्मिक रुपमे बौकार बनाबैछै, हौसला दैछै आ सान्तबना दैछै।
कि हमरा आ बरनाबासके मातरे पेट पालैके लेल काम करैले परतै?
चौद बरिसके बाद हम बरनाबाससङे तितसके ल्याके फेनो यरुसलेम गेलियै।
औरो यहुदीसब पतरुसे जखा कपटी बेबहार देखाइल्कै। ओकरासबके बेबहार देखके बरनाबासो बहैक गेलै।
याकुब, पतरुस आ युहन्ना, जेसब मन्डलीके खम्हासब मानल छेलै, उसब हमरा परमेस्वरके देल अनुगरहके पहिचान करल्कै। उसब बरनाबास आ हमरा संगतीके लेल देहना हाथ बनाइल्कै। बरनाबास आ हम गैर-यहुदीसबके बिचमे आ उसब यहुदीसबके बिचमे काम करैले सहमत भेलियै।
हमरे सङे जहलमे रहलहा अरिस्तारखस तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। बरनाबासके नातामे परैबला मरकुस सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। ओकर बारेमे पहिने हम तोरासबके कैहदेनेचियौ, उ एतौ त असलसे स्वागत करिहे।