8 तब उ खुरखुराके उठलै आ चले-फिरे लाग्लै। चलैत-फिरैत आ उछरैत-कुदैत उ परमेस्वरके इस्तुती करैत पतरुस आ युहन्ना सङे मन्दिरमे ढुक्लै।
तखुन्तेसे उ देखे लाग्लै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत ओकर पछा लाग्लै। यि देखैबला औरो लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैले लाग्लै।
तै बखत तुसब खुसीसे नाच, कथिलेत स्वरगमे तोरा बरका इनाम हेतौ। ओकरासबके पिता पुरखा पहिनेके अगमबक्तासबके ओहिनङे सताइने छेलै।
कुछ देरके बाद येसु उ लोकके मन्दिरमे भेटके कहल्कै, “देख, तु निक करल गेलचिही। आबसे फेनो पाप नै कर, नै त तोहर उपर औरो खराब अबस्था आइबजेतौ।”
आ जोरसे अबाज निकाइलके कहल्कै, “तोहर टाङके भरमे ठार हो!” तब उ लोक सुनैत मातर उइठके चलेलाग्लै।
तखुन्ते भुत आत्मा लाग्ल लोक उसबके उपर आकरमन करल्कै आ सबकोइके पटकल्कै आ उसब नङटे आ घाहिल भ्याके उ घरसे भाग्लै।
पतरुस ओकर देहना हाथ पकैरके ओकरा उठेल्कै, तखुन्ते ओकर टाङ आ घुठ्ठीमे तागत एलै।