4 उ दुनुगोरे ओइ भिखमङाके एकटक भियाइरके ताकैत कहल्कै, “हमरासबके दिसन ताक!”
तकरबाद येसु किताब बन करल्कै तब किताब फिरता द्याके बैठ्लै। यहुदी सभाके सब लोकसबके नजर ओकर दिसन छेलै।
येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु बिस्बास करबिही त परमेस्वरके महिमा देखबिही से हम तोरा नै कहने छेलियौ?”
जब येसु ओकरा सुतल देखल्कै, तब उ बहुत बरिससे बिमार छै से बात जाइनके ओकरा पुछल्कै, “कि तु निक हैले चाहैचिही?”
करनेलियस स्वरगदुत दिसन डेरा-डेराके ताकल्कै आ कहल्कै, “कहु परभु” स्वरगदुत कहल्कै, “तोहर परथना आ गरिबसबके उपर देख्याल दयाके कामसब परमेस्वर देख्ने छौ। परमेस्वर तोहर सब असल कामके भेटीके रुपमे सुइकार करनेछौ।
जब हम निकसे ताकलियै त ओइमे घरपोसुवा जानबर, जङली जानबर, ससरैबला जानबर आ अकासमे उरैबला चिरै-चुरगुनसब देखलियै।
एक दिन पतरुस आ युहन्ना बेरियाके तिन बजे परथना करैबला समयमे मन्दिर जाइतरहै।
उ निक भेल्हा लोक पतरुस आ युहन्नाके पकरने छेलै तखने आस्चरज भेल लोकसब सोलोमन नामके दलानमे दौरके एलै।
यि देखके पतरुस ओइ लोकसबके कहल्कै, “हे इजराएलके लोकसब, यि बातमे अहाँसब कथिले अचम मानैचियै? हमसब आपन सक्तीसे आ भक्तिसे ओकरा चलफिर कराइले सकैबला जखा कथिले ताकैचियै?
जब पतरुस आ युहन्नाके मन्दिर भितर ढुकैत देखल्कै तब उ ओइसबसङे भिख माङल्कै।
ओइसबसे कुछो मिल्तै से आसमे उ नजैर पसाइरके ओइसब दिसन ताकल्कै।