24 “अहिनङे सामुएलसे ल्याके पाछेके सब अगमबक्तासब बोलल छै। उ सबकोइ अहै दिनसबके भबिसबानी करने छै।
तब येसु ओइसबके मोसाके किताबसब आ सब अगमबक्तासबसे सुरु कैरके, धरमसास्तरमे आपन बारेमे लिखल सबबातसबके अरथ असलसे खोइलके बुझादेल्कै।
तहियासे सामुएल अगमबक्ताके बखत तक परमेस्वर ओइसबके सासकसब देल्कै।
उ धरम सास्तरसे परमान द्याके ओइसबके अनङके अरथ खोइलके बुझहेल्कै, “मुक्ती दैबला परभु येसु खिरिस्टके दुख भोइगके मरे परतियै आ मरके जि उठे परतियै, तब अकरे सुसमाचार हम तोरौरके सुनाइचियौ, जे मुक्तीदैबला खिरिस्ट चियै।”
खिरिस्टके दुख भोगैये परतै आ उ मरलहासबमेसे जिबित भ्याके उठैबला पहिन्का भ्याके उ यहुदी आ गैर-यहुदीके इजोतके सन्देस सुनेतै।”
तै खातिर तुसब पस्चाताप कर आ आपन मन बदल जैसे तोरासबके पाप मेटाबे आ परमपरभुसे आनन्दके समय आबे,
परमेस्वर पहिनेसे आपन पबितर अगमबक्तासबके मुहसे बोलल्हा सब चिजके पुनरअस्थापन हैबला बखत नै आबेतक खिरिस्टके स्वरगमे रहेपरतै।
महज अखुन बेबस्था पालन नै कैरके परमेस्वर लोकसबके धरमी ठहराइबला बाट देखाइनेछै। अकर बारेमे बेबस्थाके किताब आ अगमबक्तासब गबाही देनेछै।