23 ओइ अगमबक्ताके बात नै मानैबला सब परमेस्वरके लोकसबसे अलग करलजेतै आ नास हेतै।’
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
जे हमरा आ हमर बचनके इन्कार करैछै तकरा नियाय करैबला एकगोरा छै। हमर बोलल बचनेसे अन्तके दिनमे ओइसबके उ नियाय कैरदेतै।
अहैलेल हम ‘तुसब आपने पापमे मरबिही’ कहलियौ। यदि हम ओह्या चियै कैहके बिस्बास नै करबिही त तुसब साँचोके आपन पापमे मरबिही।”
तब जे-जे ओकर बातमे बिस्बास करल्कै, सेसब बप्तिस्मा लेल्कै आ ओहै दिन करिब तिन हजार लोक बिस्बासीसबके समुहमे थपेलै।
महज हमसब पछा हटैबला आ नास हैबला लोक नै चियै, हमसब त बिस्बास कैरके मुक्ती पाबैबला लोकसब चियै।
होसियार रह, तोरासबसङे बोलैबलाके इन्कार नै कर। यदि अइ पिरथिबीके लोकसे देल चेताबनीके इन्कार करैबला भागैले नै सक्तै त स्वरगसे चेताबनी दैबलाके इन्कार करबिही त कनङके बाचैले सकबिही?
आब हमसब एहैन महान मुक्तीके वास्ता नै करबै त, अपनासब कनङके दन्डसे बाच्बै? यि मुक्तीके बारेमे सबसे पहिने परभु येसु आपनेसे परचार करल्कै आ ओकर बचन सुनैबलासब अपनासबके लेल पक्का परमानित कैरदेल्कै।
मारलगेल थुमाके जिबनके किताबमे सन्सारके सिरिस्टी हैसे पहिने नाम लिखल लोकसब बाहेक पिरथिबीमे रहैबला सबकोइ ओइ जानबरके पुजा करतै।
जकर-जकर नाम जिबनके किताबमे लिखल नै भेटलै, ओकरासबके आइगके भठिमे फेकदेल्कै।