21 जहादमेके लोकसब खाना नै खेने बहुतदिन भेल छेलै। ओइ बखत पावल ओइसबके कहल्कै, “हौ भाइ-भैयासब, अहाँसब हमर बात माइनके केरेटसे जहाद नै चलाइने रहतियै त नै यि बिपतमे एतियै, नै कोनो बिनासे हेतियै।
जार महिना बिताबैके लेल उ जहग उचित नै छेलै। अहै खातिर बहौत लोकसब कोनो भि हालतमे ओतेसे चैलके फोनिक्समे जार मास बिताइबै कैहके जहाद चलाबैले सल्लाह देल्कै। केरेट टपुके एक बन्दरगाह फोनिक्स चियै जकर मुहरा दछिन-पछिम आ उतर-पछिम तरफ घुमल छै।
जब दछिन दिसरसे रसे-रसे हबा बहे लाग्लै तब उसब सोचल्कै कि आब हमसब जाइले सकब। जहाद चलाबैबलासब लङगर खोइलके केरेट टपुके काते-कात हैत जाइले लाग्लै।
बहुत दिनतक नै त रौद आ नै तरे देखैले पाबलियै। अन्हर-बिहाइर चलिए रहलाके कारन बच्बै कि नै कैहके आसो मर गेलै।
हमसब रसे-रसे अगा दिसन चललियै आ एकदम दिकतसे हमसब क्नीडसमे पुगलियै। हबा हमरासबके आगादिसन जाइले एकदमसे दिकत करलक। ओहै खातिर हमसब केरेट टपुके सहारा लैत सालमोनके पखा-पखा हैत गेलियै।