8 परमेस्वर मरलहासबके जियाइछै तै बातमे अहाँसब कथिले बिस्बास नै करैचियै?
कथिलेत परमेस्वरके लेल कोनो काम असम्भब नै छै।”
येसु जबाफ देल्कै, “जे लोकसबके लेल असम्भब छै, उ परमेस्वरके लेल सम्भब छै।”
जब पावल ओइ महासभामे सदुकी आ फरिसी दलके लोकसब छै से थाह पाबल्कै तब जोरसे कहल्कै, “हौ भाइ-भैयारीसब, हम फरिसीके बेटा फरिसीये चियै। मरल लोकसब फेनो जिबित हैछै तैमे बिस्बास करलाके कारन हमर यि उपर मुदा चैल रहल छै।”
महज ओकरासे ओइसबके आपन धरमके बारेमे बिबाद छेलै आ मरल येसुके बारेमे छेलै, जकरा पावल जिबिते छै कैहके जोर देने रहै।
उसब एकदम खिस्याल रहै, कथिलेत उ दुनुगोरा लोकसबके सिखाइछेलै आ घोसना करैछेलै कि येसु मुरदासे जिबित भ्याके उठाएल काम दुवारा औरो लोकसबसेहो मुरदासे जिबित भ्याके उठाएल जेतै।
होसमे या आ आबसे पाप नै कर। कथिलेत तोरासबमेसे कतहेक गोरे परमेस्वरके नै चिनहने चिही। यि त तोरासबके लेल सरमके बात चियौ।
उ आपन सक्तीसे सब चिजके आपन अधिनमे लाबेसकैछै। ओकर यि सक्तीसे अपनासबके यि मैर जाइबला देहके ओकर आपन महिमाके देह जखा हैले परिबरतन कैरदेतै।