32 अगरिपास फेस्तसके कहल्कै, “यदी यि कैसरसे बिन्ती नै करने रहतियै त अकरा छोइर देतियै।”
दुइ बरिसके बाद फेलिक्सके ठाममे परकियस फेस्तस बडा-हाकिम भेलै। तब उ यहुदीसबके खुसी राखैले पावलके जहलेमे बन्द कैरके गेलै।
महज हम यि लोक मिरतुदन्ड पाबैके कोनो दोस नै भेटलियै। तब उ आपने रोमी समराट कैसर लग जाइले बिन्ती करलाके कारन हम ओकरा कैसर लग पठाबैके निरनय करलियै।
रोमीसब पुछताछ करलाके बाद हमरा छोरैले चाहल्कै कथिलेकी उसब हमरा मिरतुदन्ड दैले कोनो दोस नै भेटेल्कै।
महज जब यहुदी दाजु-भाइसब रोमी अधिकारीसबके निरनयके बिरोध करेलाग्लै तब हमर यहुदी जातीके बिरोधमे कोनो कसुर लगाबैके बात नै भेलाके बादो कैसर लग बिन्ती करैले लगेल्कै।
महज परभु ओकरा कहल्कै, “जो, कथिलेकी साउल गैर-यहुदीसब, रजासब आ इजराएलीसबके सामने हमर नामके परचार करैबला उ हमर छानल लोक चियै,