17 हम तोरा तोहर आपने जाती आ आन जातीसबसे बचाइबौ। हम तोरा गैर-यहुदीसब लग अइलेल पठारहल चियौ कि,
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।
तब उसब आइबके पावल आ सिलाससे माफी माङल्कै। ओइसबके बाहर लज्याके यि सहर छोइरके चैल जो कैहके अनुरोध करल्कै।
ओहै दिन अन्हार हैत परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब पावल आ सिलासके बेरिया सहरमे पठाइल्कै। ओते पुग्लाकेबाद उसब यहुदी सभाघरमे गेलै।
यि देखैत मातर बिस्बासी लोकसब पावलके तुरन्त समुन्दरके कात-करौतमे पठादेल्कै। महज सिलास आ तिमोथी ओतै बेरियेमे रैह गेलै।
कथिलेत हम तोरे सङेचियौ। कोइ नै तोरा कोनो हानी करे सक्तौ कथिलेत अइ सहरमे हमर बहौत लोकसब छै।”
आ पावलके यरुसलेम पठादिय कैहके बिन्ती करल्कै, कथिलेत उसब पावलके रस्तेमे मारैके योजना बनाइने रहै।
“अहैलेल तोरासबके थाह हेबे कि परमेस्वरके यि मुक्ती गैर-यहुदीके लेल पठालगेल छै आ उसब सुन्तै।”
महज परभु ओकरा कहल्कै, “जो, कथिलेकी साउल गैर-यहुदीसब, रजासब आ इजराएलीसबके सामने हमर नामके परचार करैबला उ हमर छानल लोक चियै,
आब हम गैर-यहुदीसबके कहैचियौ, हम त गैर-यहुदीसबमे सुसमाचार परचार करैके लेल खिरिस्टके एक परेरित चियै। हम आपन यि सेबाके बिसेस महत्व दैचियै।
आ हमरा गैर-यहुदीसबके सुसमाचार सुनाइले खिरिस्टके सेबक बनाइनेछै। जनङ पुजारी परमेस्वरके अगा मनपरैबला भेटी चरहाबैछै तहिनङे हम्हु पुजारीके सेबा पुरा करैचियै। गैर-यहुदीसबके परमेस्वर लग लाबैले आ उसब पबितर आत्मासे सुध भ्याके परमेस्वरके मनपरैबला भेटी हेबे कैहके हम परमेस्वरके सुसमाचार सुनाबैचियै।
याकुब, पतरुस आ युहन्ना, जेसब मन्डलीके खम्हासब मानल छेलै, उसब हमरा परमेस्वरके देल अनुगरहके पहिचान करल्कै। उसब बरनाबास आ हमरा संगतीके लेल देहना हाथ बनाइल्कै। बरनाबास आ हम गैर-यहुदीसबके बिचमे आ उसब यहुदीसबके बिचमे काम करैले सहमत भेलियै।
अहै बातके परचार करैके लेल परमेस्वर हमरा एकटा परचारक आ परेरित हैकेलेल चुनल्कै। गैर-यहुदीसब येसुमे बिस्बास करे तै उदेस्यसे ओइसबके सत बात सिखाइके लेल उ हमरा पठेल्कै। हम एकोरती बरह्या-चरह्याके नै कहैचियौ, हम त सत बात कहैचियौ।
एह्या सुसमाचार सुनाइके खातिर हम परचारक, परेरित आ गुरु नियुक्त भेलचियै।
हम एन्टिओखिया, आइकोनियन आ लुस्तरा सहरमे केहन-केहन दुख भोगे परलै, से बात तु निक जखा जानैचिही। महज परभु हमरा ओइ सब आफत-बिपतसबसे बचेल्कै।