15 तब हम पुछलियै, ‘परभु, अहाँ के चियै?’ परभु हमरा उतर देल्कै, ‘हम येसु चियै, जकरा तु सताबै चिही।
तैपर रजा ओइसबके जबाफ देतै, ‘साँचे हम तोरासबके कहैचियौ कि, जे कुछो तुसब यि भाइसबमेसे सबसे छोटके लेल करलिही, उ हमरे करलिही।’
तब परभु ओइसबके जबाफ देतै ‘साच्चेके हम तोरासबके कहैचियौ, जे कुछो हमर यि छोट भाइसबके लेल नै करलिही, से हमरो लेल नै करलिही।’
सबगोरे जमिनपर खैस परलियै। तहै बखत हम हिबरु भसामे एहेन कहैत सुनलियै, ‘साउल, ऐ साउल, तु हमरा कथिले सताइचिही? तु हमर बिरोध कैरके आपनेमे कथिले दुख उठ्यारहल चिही।’
आब उठ! आपन टाङ पर ठार हो, हम तोरा दरसन अइलेल देलियौ जे हम तोरा सेबक आ हमर गबाही दैबला लोक बनाबी आ जे कुछो हमर बिसयमे देखने चिही आ जे कुछो हम तोरा देखाइबौ ओकर तु साक्छी हेब्ही।