10 हम यरुसलेममे ओहै परकारसे बिरोध करलियै, मुख पुजारीसबके अखतियार पाइबके परमेस्वरमे बिस्बास करैबला लोकसबके जहलमे ढोकलियै आ जब ओइसबके मिरतुदन्ड दैछेलै त हमे ओइसबके बिरोधमे सहमति दैछेलियै।
उसब स्तिफनसके पकैरके सहरसे बाहर निकाइलके ल्यागेलै आ ओकरा पथल फेकके मारे लाग्लै। साक्छीसब आपन-आपन बस्तर साउल नामके एकटा छौराके टाङ लग राखने रहै।
ओहै दिनसे यरुसलेमके मन्डलीके बिस्बासीसबके बिरोधमे बहौत बरका सताबट सुरु भेलै आ परेरितसबके छोइरके औरोसब बिस्बासीसब यहुदिया आ सामरियाके इलाकामे छिरिया गेलै।
महज अने साउल घर-घरमे ढुइकके बिस्बासी मन्डलीके नास करैले कोसिस करैतरहै। उ मरद आ जनी सबके पकैरके घिस्याइते लज्याके जहलमे ढोइक दैछेलै।
यि बात सुनैबला सबकोइ अच्चम मानैत कहेलाग्लै, “यरुसलेममे येसुके बिस्बास करैबलासबके सताबैबला एह्या नै चियै त? आ अतौ ओइसबके बाइन्हके मुल पुजारीलग लेजेबै कैहके आएल नै छै त?”
साउल यरुसलेम एलाकेबाद उ परभु येसुके चेलासबसङे भेट करैले ताकैछेलै। महज उसब डराबैछेलै कथिलेत ओहो येसु खिरिस्टके साँचोके चेला भेलै से बातके बिस्बास नै हैछेलै।
पतरुस अने-ओने घुमैत-फिरैत लुड्डा नामके सहरमे परभुमे बिस्बास करैबलासबके लग भेट करैले एलै।
पतरुस तबिताके हाथ पकैरके उठेल्कै। तब बिस्बासीसब आ बिधुवासबके बोलाइल्कै आ ओइसबके जिते छै कैहके देखेल्कै।
हम परेरितसबमेसे सबसे तुच्छ चियै। हम परेरित कहैके योग्यके नै चियै कथिलेत हम परमेस्वरके मन्डलीके सताइने चियै।
तुसब त जानैचिही, जखुन हम यहुदी धरम मानैछेलियै तै बखतके पहिन्का जिन्गीके बेबहार केहेन छेलै। कनङ हम परमेस्वरके मन्डलीके लोकसबके घोर अतियाचार करैछेलियै आ ओकरासबके नास करैले चाहैछेलियै।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे येसु खिरिस्टके परेरित, एफिसस सहरमे रहैबला आ येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबला पबितर लोकसबके यि चिठी लिखैचियौ।
तब हम उ जनीके परमेस्वरके पबितर जनसब आ येसु खिरिस्टके साक्छी दैबलासबके लहु पिके मातल देखके हम एकदम छक परलियै।