23 अतबे कैहके फेलिक्स पावलके कुछ स्वतन्तरसङे पहरामे राखिहे आ ओकर सङिसबके आबसेक्ता पुरा करैले नै रोकिहे कैहके कप्तानके आदेस देल्कै।
जब पावलके भैगना यि योजनाके बारेमे थाह पाबल्कै तब गढ़मे ज्याके पावलके सुन्यादेल्कै।
उ कहल्कै, “तोरा आरोप लगाइबलासब एतौ तब मातरे हम तोहर बात सुन्बौ।” तकरबाद उ पावलके हेरोदके दरबारमे पहरा द्याके राखैले आदेस देल्कै।
पावलसे कुछ पैसा मिल्तै कि तैके आस करने छेलै। तैल्याके उ पावलके बेर-बेर बोल्याके बातचित करैछेलै।
महज फेस्तस कहल्कै, “पावल कैसरियाके जहलमे बन्द छै आ हम ओते जल्दीए ज्यारहलछियै।
ओकर बिहान हमसब सिदोन इलाकामे पुगलियै। युलियस पावल उपर दया देख्याके ओकर साथि-सङीसबके आपन-आपन आबसक्ताके सरसमानसब आनैले अनुमति देल्कै।
जब हमसब रोममे ढुकलियै, तब पावलके एक गोरा सिपाहीके रेखदेखमे असगरे रहैके अनुमति भेटलै।
बिना रोकटोक निडर भ्याके परमेस्वरके राजके परचार करल्कै आ परभु येसु खिरिस्टके बारेमे सिखाबै छेलै।