25 जब सिपाहीसब कोरासे मारैले पावलके बान्हने छेलै तब लगेमे ठारभेल कप्तानके पावल पुछल्कै, “कि रोमी कानुन अनुसार रोमी नागरिक अपराधी नै छै तैयो कोरासे मारैले मिलैछै?”
महज लोकसबसे होसियार रह, कथिलेत उसब तोरासबके अदालतसबमे सोइप देतौ आ सभाघरसबमे लज्याके तोरासबके कोरासे पिटतौ।
रोमी कप्तान आ ओकरजरे येसुके ओगरैबला सिपाहीसब भुमकौन आ यि घटनासब देखके बहौत डेरेलै आ कैह उठलै कि, “साँचोके यि त परमेस्वरके बेटा रहै।”
महज कप्तान कहल्कै, “हे परभु, हम अहाँके आपन घरमे स्वागत करैके हैसियतके नै चियै। महज अहाँ अतैसे आग्या मातरे करबै त, हमर नोकर निक भ्याजेतै।
कैसरियामे करनेलियस नामके एकटा लोक रहै, जे रोमी सेनामे इटालिया पल्टनके कप्तान रहै।
महज पावल ओइसबके कहल्कै, “हमरौरके जे रोमके लोक चियै तैयो हमरासबके कोनो दोस नै देखके उसब हमरासबके मारपिट करल्कै आ जहलमे ढोइक देल्कै। अखुन छोरैले चाहैछै? यि नै हेतै। उसब आपनेसे आबे आ हमरासबके निकालके लजाबे।”
कप्तान यि बात सुइनके सेनापती लग ज्याके कहल्कै, “अहाँ यि कथी करैचियै? यि लोक त रोमी नागरिक चियै!”
तखुन्ते पावल एकटा कप्तानके बोल्याके कहल्कै, “यि छौराके सेनापती लग पुगादहै, कथिलेत उ ओकरा कुछो कहैले चाहैछै।”
यहुदीसब यि लोकके पकरने छेलै आ ओकरा मारैले खोजल्कै। महज जब हम सैनिकसबजरे ओते गेलियै तब हम यि लोक रोमी नागरिक चियै से थाह पाबलियै आ हम ओकरा छोराके आनलियै।
महज हम जबाफ देलियै, रोमीसबके एहेन चलन नै छै, कोनो भि लोकके दन्ड देबेसे पहिने जबतक दोस लगाइबलाके अगा खरा भ्याके आपन बचाउके लेल जबाफ दैके मौका नै मिलैछै।
जब हमसब पानी जहादसे इटालिया देस जाइले निरनय भेलै तब उबस पावलके औरो कैदीसबसङे समराट अगस्तसके सेनाके कप्तान युलियसके जिमा लग्यादेल्कै।
ओकर बिहान हमसब सिदोन इलाकामे पुगलियै। युलियस पावल उपर दया देख्याके ओकर साथि-सङीसबके आपन-आपन आबसक्ताके सरसमानसब आनैले अनुमति देल्कै।
महज सैनिकके कप्तान पावलके बचाइले चाहैछेलै। तहै खातिर उ ककरो मारैले नै देल्कै। उ आग्या करल्कै कि जकरा सबके पैरी मारैले आबैछै उसब पहिने जहादसे पानीमे कुइदके पौरैत-पौरैत पखामे निकैल जाय।