21 महज परभु हमरा कहल्कै, ‘तु जो, कथिलेत हम तोरा दुर-दुर गैर-यहुदीसबके बिचमे पठाइबौ।’”
एक दिन उसब उपासे रैहके परभुके आराधना करैबखत पबितर आत्मा कहल्कै, “सुन, जै कामके खातिर हम तोरासबके बोलाइने चियौ, ओहै कामके खातिर बरनाबास आ साउलके चुन।”
महज यि बात सुइनके उसब पावलके बिरोध आ अपमान करे लाग्लै, तखुन्ते पावल ओइसबके चेताबनीके खातिर आपन बस्तरसे गरदा झारैत कहल्कै, “यदी तोरासबमेसे कोइ नास हेब्ही त आपने दोसके कारन नास हेब्ही तकर दोसी हम नै हेबौ। आबसे हम दोसरे जातीसबके बिच सुसमाचार सुनाइले जाइचियौ।”
महज परभु ओकरा कहल्कै, “जो, कथिलेकी साउल गैर-यहुदीसब, रजासब आ इजराएलीसबके सामने हमर नामके परचार करैबला उ हमर छानल लोक चियै,
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर अपनासबके अनुगरह कैरके परेरित बनेल्कै। सब जातीके लोकसब बिस्बास करे आ ओकर कहल बात माने कैहके हमरा ओकर नाउमे पठाइनेछै।
आब हम गैर-यहुदीसबके कहैचियौ, हम त गैर-यहुदीसबमे सुसमाचार परचार करैके लेल खिरिस्टके एक परेरित चियै। हम आपन यि सेबाके बिसेस महत्व दैचियै।
आ हमरा गैर-यहुदीसबके सुसमाचार सुनाइले खिरिस्टके सेबक बनाइनेछै। जनङ पुजारी परमेस्वरके अगा मनपरैबला भेटी चरहाबैछै तहिनङे हम्हु पुजारीके सेबा पुरा करैचियै। गैर-यहुदीसबके परमेस्वर लग लाबैले आ उसब पबितर आत्मासे सुध भ्याके परमेस्वरके मनपरैबला भेटी हेबे कैहके हम परमेस्वरके सुसमाचार सुनाबैचियै।
अकर बारेमे अनन्त परमेस्वरके आग्या अनुसार अगमबक्तासबके लिखल बात सब जातिके लोकसब लग अखुन परकट भेल छै ताकी उसब बिस्बास करे आ ओकर आग्या पालन करे।
परमेस्वर आपन भितरी योजना हमरा परकट करने छै। अकर बारेमे हम तोरासबके पैहनिए छोटकरीमे लिखने चियौ।
अहै बातके परचार करैके लेल परमेस्वर हमरा एकटा परचारक आ परेरित हैकेलेल चुनल्कै। गैर-यहुदीसब येसुमे बिस्बास करे तै उदेस्यसे ओइसबके सत बात सिखाइके लेल उ हमरा पठेल्कै। हम एकोरती बरह्या-चरह्याके नै कहैचियौ, हम त सत बात कहैचियौ।
एह्या सुसमाचार सुनाइके खातिर हम परचारक, परेरित आ गुरु नियुक्त भेलचियै।