जब लोकसब तोरासबके एक गाममे सताइतौ तब दोसर गाममे भाइगके जो। साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, मानबके बेटा आबैसे पहिने तुसब इजराएलके सब गाम कोनोभी हालतमे आपन काज पुरा नै करने रहबिही।
तै बखत यहुदिया इलाकामे रहैबला लोकसब पहार दिसन भागे। यरुसलेमके सहरमे रहैबला लोकसब सहर छोइरके बाहर दिसन भागे आ बाहर गाममे रहैबला लोकसब सहर दिसन भितर नै आबे।