17 “हम ओतेसे यरुसलेम गेलियै तब मन्दिरमे परथना करैत परभुमे धियानमग्न भेलियै
पहिने दमस्कस आ यरुसलेममे तब सारा यहुदिया परदेसमे आ आनजातसबके सेहो हम ज्याके परचार करलियै कि आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताप कैरके परमेस्वरमे बिस्बास करु आ आपन कामसबसे हिरदय परिबरतन भेल परमान देखाबैले सिखेलियै।
उसब परमेस्वरके आत्माके सक्ती, अचमके चेन्हासब आ कामसब दुवारा बिबस करलगेल छेलै। अहिनङे हम यरुसलेमसे इल्लुरिकन परदेसतक पुरे खिरिस्टके सुसमाचारके परचार करने चियै।
तिन बरिसके बाद मातरे हम पतरुसके भेटैले यरुसलेम गेलियै आ ओकरसङे पनर दिन रहलियै।
परमेस्वर आपन भितरी योजना हमरा परकट करने छै। अकर बारेमे हम तोरासबके पैहनिए छोटकरीमे लिखने चियौ।
परभुके दिनमे हम पबितर आत्मासे भरलछेलियै आ हमर पछा दिसन एकटा तुरहीके जखा अबाज हम अनङ कहैत सुनलियै।