15 कथिलेत तु आपन आँखसे देखल आ कानसे सुनल सब बात लोकसबके अगा ओकर गबाही हेबे परतौ।
ओहै रात परभु पावलके लगमे खरा भ्याके कहल्कै, “पावल, साहस कर! कथिलेत जहिना यरुसलेममे हमर बारेमे गबाही देने छेल्ही तहिना तोरा रोममे सेहो गबाही दैले परतौ।”
कथिलेत जे बात देखने चियै आ सुनने चियै हमसब नै कैहके नै रहे सक्बै।”
तुहुसब हमर बारेमे गबाही देब्ही, कथिलेकी तुसब सुरुवेसे हमरसङे चिही।”
‘हे पावल, नै डेरा! तोरा कैसरके अगा ज्याके ठार हैये परतौ आ परमेस्वर तोरा दया करलाके कारन तोहर सङे जहादमे चरलहा सबके परान परमेस्वर बचाइने छौ।’
महज पबितर आत्मा तोरासबके उपर एतौ तब तुसब सक्ती पाबबिही आ यरुसलेममे, सरा यहुदिया इलाकामे, सामरिया इलाकामे आ पिरथिबीके अन्ततक हमर साक्छी हेब्ही।”
पहिने दमस्कस आ यरुसलेममे तब सारा यहुदिया परदेसमे आ आनजातसबके सेहो हम ज्याके परचार करलियै कि आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताप कैरके परमेस्वरमे बिस्बास करु आ आपन कामसबसे हिरदय परिबरतन भेल परमान देखाबैले सिखेलियै।
तकरबाद उ हमरा कहल्कै, ‘अपनासबके पुरखाके परमेस्वर आपन इक्छा अहाँके बुझहाइले, आपन धारमिक सेबकके देखाबैले आ आपन मुहके बात सुनाबैले पहिनेसे अहाँके चुन्नेछै।
अरथात एहेन लोक जे युहन्नाके बप्तिस्मासे ल्याके येसु स्वरग उठ्याल गेल दिनतक अपनासबसङे छेलै। उ लोक हमरासब सङे-सङे ओकर जि उठैके साक्छी हेबेपरतै।”