12 “दमस्कसमे हननिया नामके एक गोरे हमरसे भेटघाट करैले एलै। उ मोसाके नियमके पालन करैबला धरमी लोक रहै आ दमस्कसमे रहैबला सब यहुदीसब ओकरा बहुत आदर करैतरहै।
यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै।
उसब जबाब देल्कै, “हमरासबके कप्तान करनेलियस पठाइनेछै। उ धरमी आ परमेस्वरके डर मानैबला लोक चियै। ओकरा यहुदियो जातीसब आदर करैछै। एकटा स्वरगदुतसे आदेस मिलल छै जे तोरा आपने घरमे बजाके तोहरसे उपदेस सुन्तौ।”
ओइसबमेसे कतहेक यहुदीसब बिस्बास कैरके पावल आ सिलासके पछा लाग्लै। अहिनङे परमेस्वरके सेबा करैबला गिरिकसब आ नाम चलल जनी ओहोसब बिस्बास करल्कै।
तहैले हौ भाइसब, तोरासबमेसे पबितर आत्मासे भरल, असल बुइधके आ आदर पाबैबला सातटा लोक छान जकरा अपनासब यि कामके जिम्मा देबै।
परमेस्वरके भक्तसब स्तिफनसके लहासके लज्याके गार देल्कै आ ओकरलेल बहौत सोक करल्कै।
लोकसब हमरासबके आदर करतै तैयो अनादर करतै तैयो, जस करतै तैयो अबजस करतै तैयो हमसब परमेस्वरके सेबा करैचियै। हमसब इमानदार चियै महज लोकसब ठगहा कहैछै।
देखभाल करैबला अगुवा मन्डलीएटाके भितरे मातर नै महज उ मन्डलीके बाहरो इजत-मान भेटल लोक हैकेचाही। तब मातरे ओकरा बिस्बासी लोकसब मान करतै आ सैतानके जालमे नै परतै।
ओइसबके ओहिनङे बिस्बासके कारन पहिनेके लोकसबके परमेस्वर गरहन करल्कै।
डेमेतिरियसके बारेमे सबलोक असल गबाही दैछै आ उ सतमे चलैछै से बात ओकर जिबनसे सत आपनेसे साक्छी देनेछै। हम्हुसब ओहै बातके गबाही दैचियै आ तुसब जान्बे करैचिही कि, अपनासबके गबाही सत छै।