1 “हौ भाइ-भैयारी आ बाबुसब, अहाँसबके अगा हम आपन तरफमे जे कहैले चाहैचियै से सुनु।”
“जब उसब तोरासबके पकैरके सभाघरसब, सासकसब आ अधिकारीसबके सामने लाबतौ, तब तुसब कनङ आ कथी जबाब देबही, या कथी कहे परतै से चिन्ता नै कर।
तब तुसब आपन बचावके खातिर कथी कहबै पहिनेसे मनमे चिन्ता नै कर।
“ऐ, अबराहमके कुलके धियापुता आ ओकरौरके परमेस्वरके डर मानैबला चाहे उ आने जातीके कियनै हेबै, कथिलेत यि मुक्तीके खबर परमेस्वर अपनासबके खातिर पठाइने छै।
तखुन्ते भिरके कुछ लोकसब अलेक्जेन्डरके अगारी लाबल्कै, जकरा यहुदीसब खरा करेने छेलै। तब अलेक्जेन्डर हाथसे इसरा करल्कै आ लोकसबके अगा बचाउके लेल कुछ बोलैके इक्छा करल्कै।
तब पावल महासभा दिसन एकटक लग्याके ताकल्कै आ कहल्कै, “हौ भैयारीसब, हम आपन सुध मनसे परमेस्वरके नजरमे आइके दिनतक निरदोस जिबन बिताइने चियै।”
जब पावल ओइ महासभामे सदुकी आ फरिसी दलके लोकसब छै से थाह पाबल्कै तब जोरसे कहल्कै, “हौ भाइ-भैयारीसब, हम फरिसीके बेटा फरिसीये चियै। मरल लोकसब फेनो जिबित हैछै तैमे बिस्बास करलाके कारन हमर यि उपर मुदा चैल रहल छै।”
जब बडा-हाकिम पावलके बोलैके इसरा करल्कै तब पावल जबाफ देल्कै, “हमरा थाहछै कि, अहाँ बहुत बरिस पहिनेसे यहुदी जातीके नियायधिस भेलचियै, तैल्याके हमरा अहाँके अगामे बयान दैले उत्साह मिलल छै।
महज हम जबाफ देलियै, रोमीसबके एहेन चलन नै छै, कोनो भि लोकके दन्ड देबेसे पहिने जबतक दोस लगाइबलाके अगा खरा भ्याके आपन बचाउके लेल जबाफ दैके मौका नै मिलैछै।
तब पावल आपन पक्छमे बोले लाग्लै, “हम नै त यहुदी नियमके बिरोधमे, नै मन्दिरके बिरोधमे आ नै कैसरके बिरोधमे कोनो अपराध करनेचियै।”
पावल यि बातसब आपन बचाउके लेल कहैत खिना फेस्तस जोरसे कहल्कै, “ऐ, पावल तुहे पागल भ्यागेल चिही! तोहर बहुत ग्यान तोरा पागल बन्यादेनेछौ।”
तिन दिनके बाद पावल रोमके यहुदी अगुवासबके बोलाइल्कै। जब उसब एक ठाम जमा भेलै ओइसबके कहल्कै, “हौ दाजु-भाइसब, हम त आपन जातके लोकसबके आ पितापुरखाके रितिरिबाजके बिरोधमे कुछो नै कैलाके बादो यरुसलेमके यहुदी दाजु-भाइसब बन्दी बनाके रोमीसबके हाथमे सौप देलक।
स्तिफनस जबाब दैत कहल्कै, “हे हमर बाबु आ भाइ-भैयारीसब, सुनु। महिमाके परमेस्वर अपनासबके पुरखा अबराहम हारानमे बास करैसे पैहने जखुन मेसोपोटामियामे रहै तखुन दरसन देने छेलै,
ओकरासबके हिरदयमे बेबस्थाके बातसब लिखलछै कैहके ओकरासबके चालचलनसे देखाबैछै। कथिलेत ओकरासबके बिबेकसे कोनोबेर आपनेके दोख लगाबैछै त कोनोबेर ठिक छै कहैछै।
कोइ कोइ हमर अधिकारके बारेमे सबाल करैछै। ओइसबके लेल हमर जबाफ एह्या चियै,
भ्यासकैछै, हमसब यि सब आपन बचाबके लेल करैचियै कैहके आपन मनमे बिचार करैचिही। महज एहेन नै छै! पिरियसब, हमसब परमेस्वरके अगा खिरिस्टमे बोलैचियै। यि सबकाम तोरासबके बलगर बनाइके लेल करैचियौ।
परमेस्वरसे एल दुखसे तोरासबमे केहेन उत्साह जगाइल्कौ, ओइके याद कर। आपनेके निरदोस साबित कराइके लेल केहेन उत्सुकता छौ। केहेन डाह, केहेन डर, केहेन पियास, केहेन जोस, नियाय हैकेलेल केहेन चाह छौ! सब बातमे तुसब आपनेके निरदोस साबित करनेचिही।
डाह करैबलासब सुध मनसे नै महज हमरा जहलमे औरो दुख दैकेलेल स्वारथ बिचारसे खिरिस्टके परचार करैछै।
तोरासबके हम आपन हिरदयमे राखनेचियौ। तोरासबके बारेमे अनङ करनाइ हमरा ठिक लाग्लै कथिलेकी हम जहलमे रहैबेर आ बाहरमे रहैबेर सुसमाचार परचार आ अकरा जोगाइबला काममे परमेस्वरके देल अनुगरहमे तुसब हमरसङे सहभागी भेलचिही।
पहिन्का बेर जखुन हमरा कचहरीमे आपन सफाइ दैले परल छेलै तखुन हमर पक्छमे कोइ नै बाज्लै। सब गोरे हमरा छोइरदेल्कै। यि बातके दोस ओइसबके ककरो नै लागे।
बरु खिरिस्टके परभु माइनके आपन हिरदयमे सरदा कर। तोरासबमे भेल आसाके बिसयमे कोइ पुछताछ करैछौ त जबाफ दैले हर समय तयार रह।