2 पटारासे फोनिके इलाकामे जाइबला एकटा पानी जहाद भेटल आ ओहैमे चहैरके हमसब गेलियै।
स्तिफनस मारल गेलाके बाद परभु येसुमे बिस्बास करैबलासब उपर जब सताबट बरहे लाग्लै तब चारुदिसन छिरियागेलै आ कोइ फोनिके इलाकामे पुग्लै त कोइ साइपरस टपु त कोइ एन्टिओखिया सहर तक पहुचलै। महज सुरु-सुरुमे उसब यहुदीसबके बिचमे मातरे सुसमाचार परचार करैछेलै।
एन्टिओखिया मन्डलीके सब बिस्बासीसबके ओतेसे जाइले छुट्टी देल्कै। उसब फोनिके आ सामरिया परदेस हैतगेलै आ ओतेका बिस्बासीसब कनङके गैर-यहुदीसब परभुके बिस्बास करल्कै से बातसब बिस्तारमे सुनाइल्कै। यि बात सुइनके ओतेका बिस्बासीसब बहुते खुसी भेलै।
जाइते जाइते साइपरस देखा परलै आ ओकर दछिन कातसे सिरिया परदेस हैत हमसब टुरोस सहरमे एलियै। ओतै जहादसे मालसमान उतारल्कै आ हम्हुसब उतरलियै।
ओते कप्तान युलियस अलेकजेन्डरिया सहरसे इटालिया देसमे जाइबला जहाद भेटलै आ उ हमरासबके ओहै जहादमे चरहादेल्कै।