30 अहैसबके बिचसे झुठ बात सिखाइबला लोकसब निकल्तौ, जे बिस्बासीसबके बहक्याके आपन दिसन तान्तौ।
“तुहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब एकोटाके आपन धरममे आनैके लेल जमिन अकास एक कैरदैचिही, महज जब उ आबैछौ त, तुसब ओकरा आपनसे दोबर नरकमे जाइके जोकर बनादैचिही।
जब बरनाबास टारससमे साउलके भेटलै तब ओकरा एन्टिओखियामे आनल्कै। उ दुनुगोरे पुरा एक बरिसतक ओतेका मन्डलीमे सङगती करैत रहलै। ओतेका बहौत लोकसबके सिक्छा देल्कै। सबसे पैहने एन्टिओखियामे खिरिस्टके बिस्बासीसबके इसाइ कहल्कै।
“तु गिरिकियो भसा जानैचिही? कि तुही चिही नै बिदरोह करैबला चार हजार हतियाराके मिसरी नेता?”
कथिलेकी एहेन लोकसब झुठा परेरितसब आ छली काम करैबलासब चियै। उसब खिरिस्टके परेरितसबके भेस धैरके चलैबलासब मातरे चियै।
उसब अङने-अङने चलैबला आदत पैरके कोरनी आ चुगली लगाइबाली हैछै। ओतबे नै उसब नै बाजैबला बातसब बतियाइछै आ दोसरके काममे टाङ अराबैबाली हैछै।
एहेन लोकसबके बिचमे सबदिन झगरा हैछै। ओइसबके मति भरस्ट भेल रहैछै। उसब सत बातसबसे दुर भेल रहैछै आ परमेस्वरके भक्ति करैबला काम धनिक हैकेलेल चियै कैहके बिचार करैछै।
उसब घमन्डी आ मुरुख बात करैछै आ देहके लालसा देखाके भरखर खराब रस्तासे बाहर एलहा लया बिस्बासीसबके फसाबैछै।
उसब अपनासबके लोक नै रहै, तहै खातिर अपनासबके छोइरके चैलगेलै। यदि उसब अपनासबके लोकसब रहतियै त आपनेसबके सङे रहतियै। उसब अपनासबके नै चियौ से बात परस्टे छै से देखाइले उसब अपनासबके छोइरके चैलगेलै।
कथिलेत बहुतो धोखा दैबलासब सन्सारके बहुतो ठामसबमे पुइगगेल छै, जेसब येसु खिरिस्ट देहधारी भेल छै कैहके नै सुइकारैछै। एहैन लोकसब धोखा दैबला आ खिरिस्ट बिरोधी चियै।
महज तोरासबमे एकटा असल गुन यि छौ कि हमरे जखा तुहुसब निकोलाइटसके रस्तामे चलैबलासबके कामके घिरना करैचिही।