22 “आब हम पबितर आत्माके आग्या अनुसार यरुसलेम ज्यारहल चियौ। ओते हमरा कथि-कथी हेतै, से हम नै जानैचियौ।
एकटा दुखके बप्तिस्मा हमरा लैले परतै। जाबेतक हम उ बप्तिस्मा नै लेबै ताबेतक हमरा चैन नै हेतै।
येसुके स्वरग दिसन जाइके दिन नजदिक आवेलाग्लै तब उ यरुसलेम दिसन जायैले परतै से निरनय करल्कै।
निस्तार पाबैनसे पहिने, येसु अइ सन्सार छोइरके पितालग जाइबला समय आइबगेल छै से उ जानैछेलै। तब उ सन्सारमे भेल आपन चेलासबके परेम करल्कै आ अन्तिम समयतक उसबके परेम कैरते रहलै।
आपन उपर आबैबला सब बात येसुके थाह छेलै, तैल्याके अगा ज्याके उसबके पुछल्कै, “तुसब ककरा ताकैचिही?”
जब पावल एथेन्स सहरमे सिलास आ तिमोथीके लेल असियाल रहै तहै बखत सहर मुरतिये-मुरतिसे भरल देखके ओकर मनमे बहौत दुख लाग्लै।
तकरबाद पावल पबितर आत्माके अगुवाइमे माकेडोनिया आ अखैया इलाका हैत यरुसलेम जाइके निरनय करल्कै। उ कहल्कै, “ओते पुग्लाकेबाद हमरा रोम सहरमे जाइए परतै।”
एसिया परदेसमे देर हेतै से बिचार कैरके पावल एफिससमे नै जाइके निरनय करल्कै। कथिलेत उ सकभर पेन्तिकोस पाबैनके दिनमे यरुसलेममे पुगैले हतार छेलै।
हमसब त खिरिस्टके परेमके बसमे चियै, कथिलेकी हमसब निसचिन्त चियै कि सबलोकके लेल खिरिस्ट मरलाके कारन सबके मिरतु भेलै।
बिहानके कथी हेतै, तुसब किछो नै जानैचिही। तोहर जिन्गी कथी चियौ? तोरासबके जिन्गी त कुछ समय देखा परैबला आ बिल्या जाइबला बाँफ जखा त चियौ।
कथिलेत हम जानैचियै, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट हमरा साफ-साफ देखादेनेछै कि यि माइटके देह जल्दिए छोइरके जाइले परतै।