20 तोरासबके सहायता हैबला कामसब सब लोकसबके बिचमे परचार करैले आ तोरासबके घर-घरमे सेहो ज्याके सिक्छा दैले नै छोरलियौ।
बिना खिसासे येसु ओकरासबसङे नै बोल्लै, महज आपन चेलासबके परोछमे सबके अरथ खोइल देल्कै।
उसब एकेमन भ्याके सबदिन मन्दिरमे जमा हैछेलै, घर-घरमे परभु भोज करै आ सबकोइ खुसी मनसे मिल-जुइलके खाइछेलै,
कथिलेत हम परमेस्वरके सरा योजना सुनाबैले पछामाथे नै ताकलियौ।
तै खातिर होसियार रह, कि हम तिन बरिसतक दिन-रात लोर बह्या-बह्याके लोकसबके समझाइते रहलियौ।
आ घरबालीके सहमतमे जमिन बेचल्हा कुछ पैसा आपनसङे राखल्कै आ औरो बाकी पैसा आइनके परेरितसबके अगा राइख देल्कै।
उसब सबदिन मन्दिर आ घर-घरमे ज्याके येसुवे खिरिस्ट चियै से कैहके सिक्छा दैले आ परचार करैले नै छोरल्कै।
सबकोइके भलाइ हेबे कैहके सबलोकके पबितर आत्माके बरदान देलगेलछै।
तैखातिर हे भाइ-भैयासब, यदि हम तोरासबके बिचमे आन भसामे बोल्बौ त तोरासबके कि फाइदा हेतौ? बरु परमेस्वरसे एल कोनो बातके परकास आ ग्यान-गुनके बात, अगमबानी या सिक्छा हम देबौ त तोरासबके फाइदा हेतौ।
हम जे पाबलियै ओह्या सबसे मुख बिसयके रुपमे तोरासबके सोइप देलियौ, अरथात पबितर धरमसास्तर अनुसार खिरिस्ट अपनासबके पापके खातिर मरलै।
अन्तमे भाइ-भैयासब, परभुमे आनन्द कर। यि बात तोरासबके घरी-घरी लिखैके लेल हमरा झनझट नै लागैछै आ तोरेसबके सुरक्छाके लेल चियौ।
तैखातिर हमसब ग्यानमे सबलोकके चेताबनी आ सिक्छा दैत खिरिस्टके बारेमे परचार करैचियौ ताकी सबलोकके खिरिस्टमे परिपक बन्याके परमेस्वरके अगा लाबैले सकी।
परमेस्वरके बचन सुना। बेलोमे कुबेलोमे सुसमाचार सुनाइले नै छोर। पुरा-पुरी धिरजसे लोकसबके सम्झा, चेताबनी दहै आ असल सिक्छासे हिम्मत बरहा।