12 तब चेलासब उ युबकके जिबिते अबस्थामे घर पुगा देल्कै आ उसब एकदम खुसी भेलै।
तकरबाद पावल उपरका कोठलीमे गेलै आ परभु भोज खेल्कै। उ बिहान तक ओइसबसे बातचित करल्कै आ ओतेसे बिदा भेलै।
तब हमसब पावलके छोइरके पैहनैये पानी जहादसे अस्सोस सहरमे गेलियै। पावलके अस्सोस सहर तक पैदल चैलके जाइले इछा करलाके कारन उ अपने आपके अस्सोस सहरमे मातरे पानी जहादमे चरहैके तालमेल मिलाइने छेलै।
परमेस्वरसे पाबलहा सान्तबनासे हमसब दुखमे परलहासबके सेहो सान्तबना दैले सकि कैहके उ अपनासबके सब दुखमे सान्तबना दैछै।
हमरासबके हालखबर केहन छै, उ सुइनके तोरासबके हिम्मत बरहे कैहके हम ओकरा तोरासबलग पठाइनेचियौ।
आ तिमोथीके तोरासबलग पठेलियौ। उ हमरासबके भाइ आ परमेस्वरके सेबक चियै आ खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार करैछै। तोरासबके बिस्बासमे बलगर हैले आ हौसला दैकेलेल हमसब तोरासबलग ओकरा पठेलियौ।
अहैलेल यि बातसबसे एक दोसरके उत्साह दैत रह।
ओहै लेल तुसब एक दोसरके उत्साह दहै आ बिस्बासमे बलगर बना, जनङ तुसब करैत आइबरहल चिही।
देख हमर भाइ-भैयासब, कोढिया लोकसबके चेताबनी दहै, हरेस खाल लोकसबके साहस दहै, कमजोर लोकसबके मदत कर आ सबगोरासे सैहके रह कहैके हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
आब अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट आ अपनासबके परमेस्वर पिता अपनासबके परेम करल्कै। उ आपन अनुगरहसे अनन्त उत्साह आ असल आस देल्कै।