10 तब पावल निचा एलै आ निहुकके ओकरा भोइर पाँज पकैरके आसपासमे भेल लोकसबके कहल्कै, “नै घबरा, कथिलेत यि नै मरल छै।”
येसु भितर ढुइकके ओइसबके कहल्कै, “तुसब कथिले हल्ला करैचिही आ कानै चिही? छौरी नै मरल छै, महज उ सुतल छै।”
जब परभु येसु ओइ बिधुवाके देखल्कै तब ओकर हिरदय दयासे भैरगेलै आ कहल्कै, “नै कान!”
तकरबाद येसु कहल्कै, “अपनासबके सङी लाजरस सुतल छै, महज हम ओकरा जगाबैले ओते जेबै।”
येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु बिस्बास करबिही त परमेस्वरके महिमा देखबिही से हम तोरा नै कहने छेलियौ?”
युटिकस नामके एकटा युबक झालमे बैठल छेलै। पावलके बात सुनैत-सुनैत उ निनसे माइतके तिन महला उपरसे खैसपरलै। ओकरा उठाइले गेलै त उ मैरगेल छेलै।