6 तब यि अबाज सुइनके भिर जम्मा भेलै। उसब दोधारमे परलै, कथिलेत सबकोइ आपन-आपन भसामे ओइसबके बोलैत सुनल्कै।
जब हेरोद रजा यि बात सुनल्कै, तब उ बेचैन भेलै आ ओइसबसङे पुरे यरुसलेमो बेचैन भेलै।
“चान, सुरुज आ तरासबमे चेन्हा देखा परतौ, समुन्दरके हुहुवाह आ बरका-बरका झोहसबके देखके सन्सारके लोकसबके डेराजेतै।
तब अचानक स्वरगसे बरका बिहाइरके एकटा अबाज जखा एलै आ उसब बैठलहा पुरे घर गोङिया उठलै।
उ निक भेल्हा लोक पतरुस आ युहन्नाके पकरने छेलै तखने आस्चरज भेल लोकसब सोलोमन नामके दलानमे दौरके एलै।
हमर बिरोध करैबलासब बहुतो भेलोपरभी परभाबसाली कामके लेल एकटा बरका केबार हमर लेल खुइल गेलछै।
जब हम तरोआस सहरमे खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार करैले एलियै तब परभु हमर लेल दुवार खोइलदेने छेलै।