3 आइगके चिनगारी जखा ओइसबलग देखा परलै आ चिनगारीसब भाग-भाग कैरके ओते भेल सब लोकसबके उपरमे बैठलै।
“हम पस्चातापके खातिर तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा देबौ, महज हमरसे पाछे जे आबैबला छै, उ हमरोसे सक्तिसाली छै, जकर हम जुतो बोकैके जोकर नै चियै। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
तब येसु युहन्नाके कहल्कै, “अखुन अहिनङे हेबे दियौ। कथिलेत अपनासबके खातिर एह्या उचित छै जे अहिनङे सब धारमिकताके पुरा करे परतै।” तब युहन्ना ओकर बात मानैले राजी भेलै।
उसब आपनमे बात करैत कहल्कै, “उ अपनासबके सङे बाटमे बातचित करैतखिना आ धरमसास्तरके अरथ खोइलदैतखिना कि अपनासबके मन खुसीसे गद-गद भेल नै रहौ?”
ओइ दिनमे करिब एकसय बिस गोरा बिस्बासीसब एक ठाम जम्मा भेल छेलै तब पतरुस उसबके बिचमे ठडा भ्याके कहल्कै,
केरेटके बासिसब आ अरेबियोसब छै, तब हम आपन-आपन भसामे परमेस्वरके महान कामसबके चरचा ओइसबके करैत सुनैचियै।”
तब अचानक स्वरगसे बरका बिहाइरके एकटा अबाज जखा एलै आ उसब बैठलहा पुरे घर गोङिया उठलै।
तब उ सबगोरे पबितर आत्मासे भरलै आ पबितर आत्माके सक्तिसे उसब आन भसासबमे बोले लाग्लै।
ओह्या पबितर आत्मा ककरो अचमके काम करैबला, ककरो अगमबानी बोलैबला, ककरो आत्मासब छुटयाबैबला, ककरो बहौत किसिमके भसासब बोलैबला आ ककरो भसासबके अरथ खोलैबला बरदान दैछै।
मुह आइगे जखा चियै। यि देहके अङसबमे सबसे दुस्ट चियै। यि पुरे जिबनमे कलंक लगाइछै। यि नरकके आइग पजाइरके पुरे जिनगिमे आइग लग्यादैछै।
हमर दुइटा साक्छीसबके एक हजार दुइ सय साइठ दिनतक बोराके बस्तर लगाके अगमबानी बोलैके सक्ती हम देबै।”
तब हम बिच अकासमे उरैत दोसर स्वरगदुतके देखलियै। पिरथिबीमे रहैबला हरेक जाती, कुल, भसा आ देसके लोकसबके सुनाबैले ओकरसङे अनन्त सुसमाचार छेलै।