“हे कफरनहुमके लोकसब, कि तुसब स्वरग तक ज्याके आदर पैब्ही कैहके सोचैचिही? तुसब त पतालमे खसाएल जेब्ही। कथिलेत जे अजगुतके कामसब तोरासबके बिचमे करल गेल्छौ से कामसब सदोममे करने रहतियै त आइतक रहतियै।
“फिलाडेल्फियाके मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख, ‘उ जे पबितर आ सत छै, जकर हाथमे दाउदके कुजी छै आ जकर खोलल केबार कोइ नै बन्द करैले सक्तै या बन्द करल केबार कोइ नै खोलैले सक्तै।