10 तब फिरिगिया, पामफिलिया, मिसर आ लिबिया देसके एकटा कुरेनी सहर नजदिकके कतहेक ठामसब आ रोमसे एल्हा यहुदी आ यहुदी धरम मानेबलासब दुनु छै,
आ हेरोद नै मरै तक ओतै रहलै। अहिनङके अगमबक्तासे परमपरभुके कहल बचन पुरा भेलै, “हम आपन बेटाके मिसर देससे बोलेलियै।”
“तुहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब एकोटाके आपन धरममे आनैके लेल जमिन अकास एक कैरदैचिही, महज जब उ आबैछौ त, तुसब ओकरा आपनसे दोबर नरकमे जाइके जोकर बनादैचिही।
जाइते जाइते सिपाहीसबके कुरेनी निबासी सिमोन नाम भेल्हा लोक भेटलै आ उसब येसुके कुरूस ओकरा जबरजस्ती बोकैले लगाइल्कै।
जब सिपाहीसब येसुके रस्तामे लजाइछेलै तब उसब गामसे आइबरहल कुरेनी निबासी सिमोन नामके लोकसे भेट भेलै, जे अलेक्जेन्डर आ रुफसके बाबु छेलै। सिपाहीसब जबरजस्ती ओकरा पकैरके येसुके कुरूस बोकैले लगाइल्कै।
ओइसबमेसे कोइ-कोइ साइपरस आ कुरेनीके लोकसब रहै। उसब एन्टिओखियामे आइबके औरो जातीके लोकसबके परभु येसुके सुसमाचार परचार करल्कै।
एन्टिओखिया सहरके मन्डलीमे अगमबक्तासब आ सिक्छा दैबला लोकसब रहै। उसब बरनाबास, करिया कहाइबला सिमियोन, कुरेनीमे रहैबला लुकियस, रजा हेरोदेसङे पालन-पोसन भेल मनेन आ साउल रहै।
पावल आ ओकर सङिसब पाफोस सहरसे पानी जहाद चहैरके पामफिलिया इलाकाके परगा सहरमे पहुचलै आ मरकुस कहाइबला युहन्ना ओतेसे यरुसलेम घुइमके एलै।
सभा ओरेलाकेबाद बहौत यहुदी आ यहुदी धरम मानैबला लोकसब पावल आ बरनाबासके पछा लाग्लै। पावल आ बरनाबास ओइसबसे बात करैत परमेस्वरके किरपामे भरोसा राखने रह कैहके उत्साह देल्कै।
तकरबाद उसब पिसिदिया इलाका हैत पामफिलिया इलाकामे घुइमके एलै।
महज पावल मरकुसके सङे लजाइले इन्कार करल्कै, कथिलेत उ आपन काम पुरा नै कैरके ओइसबके पामफिलियामे छोइरके गेल रहै।
पबितर आत्मासे एसियाके परदेसमे बचन परचार करैले मनाही भेलाके कारन उसब फिरिगिया इलाका आ गलातियाके परदेससब हैतगेलै।
कथिलेत एथेन्सके लोकसब आ ओतै रहैबला आ दोसर देससे आबैबला लोकसब लबका-लबका बातसब कहैके आ सुनैके अलाबा दिनभैर औरो कोनो काम नै करै।
ओते उ अकिलास नामके एक गोरा यहुदीके भेटलै। ओकर जलम पोन्टस इलाकामे भेलरहै। उ हाल-साले आपन घरबाली पिरिस्किलासङे इटालिया देससे एल रहै। कथिलेत रोमके रजा क्लौडियस सब यहुदीसबके रोम सहरसे निक्लैके हुकुम देल्कै तब पावल ओइसबके भेटैले गेलै।
कुछदिन तक ओतै रहलै। तकरबाद फेनो उ गलातिया आ फिरिगिया इलाकाके ठामसब हैत, सब ठाममे रहल परभुके बिस्बासीसबके बिस्बासमे बलगर बनाइत गेलै।
केरेटके बासिसब आ अरेबियोसब छै, तब हम आपन-आपन भसामे परमेस्वरके महान कामसबके चरचा ओइसबके करैत सुनैचियै।”
ओहै रात परभु पावलके लगमे खरा भ्याके कहल्कै, “पावल, साहस कर! कथिलेत जहिना यरुसलेममे हमर बारेमे गबाही देने छेल्ही तहिना तोरा रोममे सेहो गबाही दैले परतौ।”
किलिकिया आ पामफिलिया इलाकाके नजदिकके समुन्दर पार करैत लुकिया इलाकामे परैबला माइरा सहर पहुच गेलियै।
परभुमे बिस्बास करैबला रोमके बिस्बासीसब जब हमरासबके आबैके खबर सुनल्कै तब उसब हमरासबके भेट करैले रोमसे अप्पियस बजार आ तिन-पाटी तक एलै। ओइसबके देखके पावल परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै आ साहस पाबल्कै।
यि बिचार सुइनके सबकोइके असल लाग्लै आ सबकोइ खुसी भेलै, उसबमेसे स्तिफनस जे पबितर आत्मा आ बिस्बाससे भरपुर छेलै आ फिलिप, परखरस, निकनोर, तिमोन, परमिनास आ पहिने एन्टिओखियाके यहुदी धरम मानैबला निकोलाउसके सेहो छानल्कै।
महज कतहेक यहुदीसब जे “स्वतन्तर-दल” कहाइबला सभाघरसबके आ कुरेनी, अलेकजेन्डरिया, किलिकिया आ एसियाके लोकसब रहै, उसब स्तिफनसके बिरोधमे खरा भ्याके ओकरसङे बताबती करे लाग्लै।
ओहैसे तुसब रोम सहरमे भेल लोकसबके सेहो सुसमाचार परचार करैके हमरा खुब इक्छाछै।
तुसब रोम सहरमे भेल सब लोकसबके परमेस्वर परेम करैछै, जे परमेस्वरके पबितर लोक हैकेलेल बोल्यालगेलछै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
जब उ रोम सहरमे एलै, हमरा नै भेटै तलिक जि-जान लग्याके खोजल्कै।
ओकरासबके लहास बरका सहरके रस्तामे परल रहतै, जते ओकरासबके परभुके सेहो कुरूसमे टाइङके मारने रहै, जै सहरके उदाहरनके रुपमे “सदोम” आ “मिसरदेस” के कहैछै।