18 बहुतो बिस्बास करैबलासब एलै आ खुलस्त रुपमे आपन-आपन करल खराब कामसब सुइकार करल्कै।
आ आपन पाप सुइकार करैत यरदन लदीमे ओकरसे बप्तिस्मा लेबे लाग्लै।
यि बात एफिसस बासि, यहुदी आ गिरिक जातीके सबलोक सुनल्कै। तब उसबके डर भ्यागेलै आ परभु येसुके नामके परसन्सा भेलै।
ओइसबमेसे बहुतो गोरे, जेसब जादु-मन्तर, टुनामुना करैछेलै, आपन-आपन किताबसब जम्मा कैरके आनल्कै आ सबके अगामे जरादेल्कै। जब ओकर मोल अनुमान करल्कै त पचास हजार चानीके टका बराबर भेलै।
कथिलेत लोक आपन हिरदयसे बिस्बास कैरके परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैछै आ बिस्बास करल बात आपन मुहसे सुइकार कैरके उधार पाबैछै।
ओहैसे यदि निक हैले चाहैचियै त आपन करल पाप एक-दोसरके अगा सुइकार कर आ एक-दोसरके खातिर परथना कर। धरमी लोकके करल परथनासे परमेस्वर सक्तिसाली आ परभावकारी तबरसे काम करैछै।
यदि अपनासब आपन पाप परमेस्वरके अगा सुइकार करबिही त, उ अपनासबके पाप छमा करतौ आ सब अधरमसे सुध करतौ कथिलेत उ बिस्बासयोग्य आ धरमी छै।