9 एक रात परभु पावलके दरसन दैत कहल्कै, “ककरोसे नै डेरा, चुप-चाप नै रह, सुसमाचार परचार करैतरह।
ओहै रात पावल एकटा दरसन देखल्कै। जैमे माकेडोनिया इलाकाके एकटा लोक “दया कैरके माकेडोनिया आबु आ हमरौरके सहायता करु” कैहके बिन्ती करैतरहै।
कथिलेत हम तोरे सङेचियौ। कोइ नै तोरा कोनो हानी करे सक्तौ कथिलेत अइ सहरमे हमर बहौत लोकसब छै।”
आ परभुके दरसन पाबलियै तब दरसनमे परभु हमरा कहल्कै, ‘हबर-हबर यरुसलेमसे जल्दीए चैल जो कथिलेत लोकसब हमर बारेमे देल तोहर गबाही नै सुइकारतौ।’
ओहै रात परभु पावलके लगमे खरा भ्याके कहल्कै, “पावल, साहस कर! कथिलेत जहिना यरुसलेममे हमर बारेमे गबाही देने छेल्ही तहिना तोरा रोममे सेहो गबाही दैले परतौ।”
दमस्कसमे हननिया नामके एक गोरा येसुके बिस्बासी रहै। ओकरा दरसनमे परभु कहल्कै, “ऐ हननिया।” उ कहल्कै, “हम अतै चियै परभु।”
कि हम स्वतन्तर नै चियै से? कि हम परेरित नै चियै से? कि हम परभु येसु खिरिस्टके नै देखलियै से? कि तुसब परभुमे हमर कामके परतिफल नै चिही से?
तोरासबलग आबैसे पहिने हमसब फिलिप्पी सहरमे कनङके दुख भोगलियै आ अपमानित भेलियै से तोरासबके थाहे छौ। तैयो बहौत गोरा बिरोधी रहितोपरभी परमेस्वरमे साहस कैरके हमसब तोरासबके सुसमाचार सुनेलियौ।