तब ओतेसे उसब पानी जहादमे चहैरके एन्टिओखिया सहरमे गेलै, जते परभुमे बिस्बास करैबला लोकसब बरनाबास आ पावलके परमेस्वरके किरपामे सौपके परचारके काममे पठाइने छेलै, से काम पुरा कैरके एलै।
जब उसब यरुसलेममे पहुचलै तब ओइसबके ओतेका मन्डली, परेरितसब आ मन्डलीके रेखदेख करैबलासब स्वागत करल्कै। तब बरनाबास आ पावल ओइसबके सुनाबे लाग्लै जे परमेस्वर ओकरासबसे केहन-केहन कामसब करने छै।
तकरबाद सेनापती दुइटा कप्तानके बोल्याके कहल्कै, “आइ रातके न बजे दुइ सय सैनिकसब, सतरी गोरे घोडसबारसब आ दुइ सय भलाधारी सैनिकसबके कैसरिया जाइले तयार कैरके राख।