17 तब यहुदीसब सभाघरके सासक सोस्थेनेसके पकैरके कचहरीयेके अगा मार-पिट करल्कै। महज गलियोन देखियोके कोनो वास्ता नै करल्कै।
पिलातस नियाय आसनमे बैठल छेलै, तखनिए ओकर घरबाली ओकरा एहेन कैहके खबर पठेल्कै, “ओइ निरदोस लोकके कुछो नै करियौ! कथिलेकी आइ रात हम सपनामे ओकरे कारन बहुत दुख काटलियै।”
सभाघरके सासकसबमेसे याइरस नामके एकटा लोक येसु लग एलै आ ओकरा देखैत मातर ओकर टाङमे निहुकके गोरलगी करल्कै,
लोकसब मैरके जि उठैछै से बात सुइनके ओतेका कतहेक लोक पावलके मजाक उराइल्कै। महज कोइ-कोइ कहल्कै, “यि बात फेनो हमसब सुनैले चाहैचियै।”
सभाघरके सासक किरिस्पस आ ओकर घरके सब लोकसब परभुमे बिस्बास करल्कै। कोरिन्थके औरो बहुतो लोकसब पावलके सुसमाचार सुइनके बिस्बास करल्कै आ बप्तिस्मा लेल्कै।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे खिरिस्ट येसुके परेरित हैकेलेल बोल्याल गेल चियै। हमरसङे अपनासबके भाइ सोस्थेनेसके तरफसे सेहो यि चिठी लिखैचियौ।
महज हमसब त कुरूसमे टाङल खिरिस्टेके परचार करैचियै, जे यहुदी लोकसबके लेल ठेस लागैबला बात चियै आ गैर-यहुदीसबके लेल मुरुख बात चियै।