20 कथिलेकी अहाँके मुहसे हमरौरके नै बुझहैबला लबका बातसब सुनैचियै। तै खातिर यि बातसबके मतलब कथी चियै से हमरासबके बताबु।”
उसब यि बात मनेमे राखल्कै आ जिके उठनाइके मतलब कथी चियै से आपनेमे बतियाइले लाग्लै।
यि बातसब सुइनके येसुके चेलासबमेसे बहुतो गोरा कहल्कै, “यि सिक्छा त एकदम करा छै। यि के माने सक्तै?”
जब पतरुस सोइच रहल छेलै यि दरसनके अरथ कथी भ्यासकैछै, तहै बखत करनेलियसके पठाएल लोकसब पुछैत-पुछैत सिमोनके देहरीमे ठार भेलै,
तब उसब पावलके अरियोपागसके सभामे लज्याके कहल्कै, “कि हमरासबके यि लया सिक्छाके बारेमे जाइन सकैचियै, जे अहाँ द्यारहलचियै।
कथिलेत एथेन्सके लोकसब आ ओतै रहैबला आ दोसर देससे आबैबला लोकसब लबका-लबका बातसब कहैके आ सुनैके अलाबा दिनभैर औरो कोनो काम नै करै।
उसब आस्चरजमे परलै आ अलमलमे पैरके एक दोसरके एहेन कहेलाग्लै, “अकर अरथ कथी चियै?”
बिनास हैबला लोकसब कुरूसके समादके मुरुख बात ठानैछै, महज हमसब मुक्ती पाबैबलासबके लेल यि परमेस्वरके सक्ती चियै।
महज हमसब त कुरूसमे टाङल खिरिस्टेके परचार करैचियै, जे यहुदी लोकसबके लेल ठेस लागैबला बात चियै आ गैर-यहुदीसबके लेल मुरुख बात चियै।
जै लोकमे परमेस्वरके आत्मा नै छै, उ लोक परमेस्वरके आत्माके बातसबके गरहन नै करैछै। कथिलेत एहैन बातसब ओकरलेल मुरुख बात हैछै। एहैन बात त परमेस्वरके आत्मासे मातरे बुझैले सकैछै।
अकर बारेमे तोरासबके कहैबला बहुतो बातसबछै, महज बुझैबला सक्ती मन्द भेल छौ, ओहैसे बुझाइले एकदम कठिनछै।
आब तुसब निरलज जिबन नै बिताइचिही से देखके उसब छक परैछै आ तोरासबके बदनाम करैछौ।