19 तब उसब पावलके अरियोपागसके सभामे लज्याके कहल्कै, “कि हमरासबके यि लया सिक्छाके बारेमे जाइन सकैचियै, जे अहाँ द्यारहलचियै।
हमर खातिर रजा आ सासकसबके अगामे तोरासबके ठार करतौ। तुसब ओकरासबके आ गैर-यहुदीसबके अगा हमर बारेमे गबाही देबही।
देखैबला सबलोक छक परलै आ आपनेमे बात करे लाग्लै, “यि केहन बचन चियै? यि केहन सक्ती आ अधिकार चियै, भुतोसबके आग्या करैछै त निकैल जाइछै।”
आब हम तोरासबके एकटा लबका आग्या दैचियौ, तुसब एक-दोसरके परेम कर। जहिनङ परेम हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके परेम कर।
कथिलेकी अहाँके मुहसे हमरौरके नै बुझहैबला लबका बातसब सुनैचियै। तै खातिर यि बातसबके मतलब कथी चियै से हमरासबके बताबु।”
पावल अरियोपागस सभाके बिचमे ठार भ्याके कहल्कै, “हे एथेन्समे रहैबला लोकसब, अहाँसबके सब चिजमे हम बहौत धरमी देखैचियै,
कुछ लोकसब पावल सङे लाइगके परभुमे बिस्बास करल्कै। ओइसबमेसे अरियोपागस सभाके डियनुसियस नामके सदस आ दामारिस नामके जनी रहै। अकरौरके अलाबा औरो कुछ लोक परभुमे बिस्बास करल्कै।
तब सेनापती उ छौराके हाथ पकैरके एक कातमे लज्याके पुछल्कै, “तु हमरा कथी कहैले चाहैचिही?”
कुछ दिनकेबाद फेलिक्स आपन यहुदी घरबाली दुरसिल्लाके ल्याके एलै। तब पावलके बोल्याके येसु खिरिस्टके बिस्बासके बारेमे ओकरसे सुनल्कै।
तब यि बात सुइनके अगरिपास फेस्तसके कहल्कै, “हमरा आपनेसे ओकर बात सुनैले मन लाग्लै।” तब उ कहल्कै, “अहाँ बिहाने ओकर बात सुइनलेबै।”
तकरबाद अगरिपास पावलके कहल्कै, “अहाँके आपन पक्छमे बोलैके अनुमति छै।” तब पावल आपन हाथ पसारके आपन सफाइ देबेलाग्लै-