17 उ यहुदीसबके सभाघरमे ज्याके यहुदी आ परमेस्वरके डर मानैबला गिरिक जातीके लोकसबसे बात-चित करै। ओहिनङे सबदिन बजारमे आबैबला लोकोसबसङे उ खौम बात-चित करै।
तब येसु उसबके कहल्कै, “जो आ सरा सन्सारमे ज्याके सरा सिरिस्टीके सब लोकसबके सुसमाचार परचार कर!
अइ खातिर जे तुसब अन्हारमे कहने चिही, उ इजोतमे सुनाइतौ। बन्द कोठलीमे गुदुर-फुसुर करल बात भितासे परचार हेतौ।”
उ परमेस्वरके भक्त छेलै। उ आ ओकर परिबारके सब सदस परमेस्वरके डर मानैबला लोकसब रहै। उ गरिबसबके उदारचितसे दान करैछेलै आ परमेस्वरसङे लगातार परथना करैतरहै छेलै।
तब पावल ठडा भेलै आ हाथके इसरा करैत कहल्कै, “हे इजराएलके बासिसब आ परमेस्वरमे बिस्बास करैबला सबगोरा, किरपा कैरके हमर बात सुन,
सभा ओरेलाकेबाद बहौत यहुदी आ यहुदी धरम मानैबला लोकसब पावल आ बरनाबासके पछा लाग्लै। पावल आ बरनाबास ओइसबसे बात करैत परमेस्वरके किरपामे भरोसा राखने रह कैहके उत्साह देल्कै।
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।
परमेस्वरके भक्तसब स्तिफनसके लहासके लज्याके गार देल्कै आ ओकरलेल बहौत सोक करल्कै।
तब उ तुरन्ते सभाघरसबमे ज्याके परचार करे लाग्लै, “येसुवे परमेस्वरके बेटा चियै।”
कथिलेत लोक आपन स्वारथ मातर देखैबला, पैसा-कौरीके लोभ करैबला, आपनके बरका मानैबला, घमन्ड करैबला आ परमेस्वरके बिरोध करैबला हेतै। उसब आपन माँ-बापके बात नै मानैबला, असलो कामके खातिर धन्यबाद नै दैबला आ अपबितर हेतै।
उसब भक्ती करैबला रुप धारन त करैछै महज भक्तीके भितरी सक्तीके सुइकार नै करैछै। एहेन लोकसबसे दुरे रह।