11 ओतेका लोकसब थेसलोनिकेके लोकसबसे खुला बिचारके लोकसब रहै। उसब परमेस्वरके सुसमाचार एकदम धियान द्याके सुनै। पावलके कहलहा बातसब मिलैछै कि नै मिलैछै कैहके उसब हरेक दिन धरमसास्तर पढ़है आ जाँचै।
तब हम तुरन्ते अहाँके बोलाइले लोक पठेलियौ आ अहाँ थाकैत-पिराइत अते एलियै। आब हम सबगोरा अते परमेस्वरके सामने चियै आ परभु जे कुछ अहाँके कहैले आग्या देने छै, से सब बात सुनैले हमसब बैठल चियै।”