10 ओहै दिन अन्हार हैत परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब पावल आ सिलासके बेरिया सहरमे पठाइल्कै। ओते पुग्लाकेबाद उसब यहुदी सभाघरमे गेलै।
ओइ दिनमे करिब एकसय बिस गोरा बिस्बासीसब एक ठाम जम्मा भेल छेलै तब पतरुस उसबके बिचमे ठडा भ्याके कहल्कै,
तकरबाद परेरितसब आ मन्डलीके अगुवासब मन्डलीके पुरा लोकसबसङे मिलके दुइ गोराके छानल्कै। उसब ओइ दुनुगोराके बरनाबास आ पावलके सङ लग्याके एन्टिओखिया पठाइले उचित ठानल्कै। उ चुनलहा बरनाबास कहाइबला यहुदा आ सिलास रहै। उ दुनुगोरा परभुमे बिस्बास करैबलासबके अगुवा रहै।
पावल आ सिलास अम्फिपोलिस आ अपोल्लोनिया सहरके बाट हैत थेसलोनिके सहरमे एलै। ओते एकटा यहुदीसबके सभाघर छेलै।
पावल आपन आदत अनुसार अहौ ठामके सभाघरमे गेलै। उ ओते तिन हप्ता तक पबितर बिसराम दिनमे धरमसास्तरमे लिखल बातसबमे ओइसबसङे बात-चित करैत रहलै।
ओइसबमेसे कतहेक यहुदीसब बिस्बास कैरके पावल आ सिलासके पछा लाग्लै। अहिनङे परमेस्वरके सेबा करैबला गिरिकसब आ नाम चलल जनी ओहोसब बिस्बास करल्कै।
महज उसबके पावल आ सिलास ओते नै भेटलै। तब उसब यासोन आ परभुमे बिस्बास करैबला औरो भाइ-भैयारीसबके घिस्याइत-तिरयाइत सहरके हाकिमसबके अगामे लज्याके जोरसे किलोल कैरके कहल्कै, “यीसब जे सन्सारके तहस-नहस कैररहलछै, यीसब अतौ आइबगेल छै।
तब ओकरसाथमे बेरिया बासि पुरसके बेटा सोपातरोस, थेसलोनिकेसे अरिस्तारखस आ सिकन्दस, डरबीके गायस आ तिमोथी तब एसियाके तुखिकस आ तरोफिमस छेलै।
तब उ तुरन्ते सभाघरसबमे ज्याके परचार करे लाग्लै, “येसुवे परमेस्वरके बेटा चियै।”
एक दिन ओकर चेलासब रातमे ढकियामे बैठाके सहरसे बाहर दबालके खिरकीबाटे ओइकात गिरा देल्कै।
तोरासबलग आबैसे पहिने हमसब फिलिप्पी सहरमे कनङके दुख भोगलियै आ अपमानित भेलियै से तोरासबके थाहे छौ। तैयो बहौत गोरा बिरोधी रहितोपरभी परमेस्वरमे साहस कैरके हमसब तोरासबके सुसमाचार सुनेलियौ।