27 जब जहलके हाकिमके निन खुल्लै तब ओतेका सब केबारसब खुलल देखैत मातर कैदीसब भाइग गेलहेतै सोचके उ आपन तलबार निकाइलके अपने आपके हतिया करैले चाहल्कै।
अहै कारन उ चानीके सब डलर मन्दिरमे फेकके चैलगेलै आ आपनेसे फासी लटैकके मैर गेलै।
रजा हेरोद पतरुसके खोजैले हुकुम करल्कै, महज उ नै भेटलै। तब हेरोदके सिपाहीसब जाँच-बुझ कैरके पहरा दैबला पहरेदारसबके मिरतुदन्डके आग्या देल्कै। तकरबाद हेरोद यहुदिया छोइरके कैसरिया ज्याके रहेलाग्लै।
यि देखैत मातर पावल जोरसे कहल्कै, “ठहर, ठहर! तु आपने आपके कुछो नै कर, कथिलेत हमरौरके सबगोरा अतै चियौ।”
जहलके हाकिम पावलके कहल्कै, “तोरा आ सिलासके छोइरदहै कैहके सहरके हाकिमसब खबर पठाइल्कै। आब तोरौरके खुसीसे जो।”