20 तब ओइसबके सहरके हाकिमसबलग आइनके कहल्कै, यि लोकसब यहुदी चियै, यीसब हमरौरके सहरमे उपदर मच्यारहलछै।
जब हेरोद रजा यि बात सुनल्कै, तब उ बेचैन भेलै आ ओइसबसङे पुरे यरुसलेमो बेचैन भेलै।
जब ओइ छौरीके मालिकसब देखल्कै कि आब कमाइके रस्ता ओरागेलै तब उसब पावल आ सिलासके पकैरके घिसयाइते सहरके चौकमे सासकसबलग आनल्कै।
यीसब एहेन-एहेन परथासब सिखाबैछै जे हमरौरके रोमीसबके खातिर सुइकार करैले आ पालन करैले कानुनके नजरमे मनाह छै।
ओते उ अकिलास नामके एक गोरा यहुदीके भेटलै। ओकर जलम पोन्टस इलाकामे भेलरहै। उ हाल-साले आपन घरबाली पिरिस्किलासङे इटालिया देससे एल रहै। कथिलेत रोमके रजा क्लौडियस सब यहुदीसबके रोम सहरसे निक्लैके हुकुम देल्कै तब पावल ओइसबके भेटैले गेलै।
महज जब उसब यि त यहुदी चियौ कैहके थाह पाबल्कै तब सबकोइ एके अबाजमे करिब दुइ घन्टा तक हल्ला करैत रहलै, “एफिसीसबके आरतेमिस देबि महान छै!”
महज हमसब अहाँके बिचार सुनैले चाहैचियै कथिलेत अहाँके दलके बिरोध सबदिसन भ्यारहल छै से हमसब जानैचियै।”
अइ सन्सारके लोकसब जखा देखासेखी नै कर महज आपन सोच-बिचार परमेस्वरके परिबरतन करैले दहै। तब परमेस्वरके असल, मनपरैबला आ सिध इक्छा कथी चियै से तुसब जानबिही।
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।