34 [महज सिलास ओतै रहैके इक्छा करल्कै।]
तकरबाद साउलके ताकैले बरनाबास टारसस सहर दिसन गेलै।
यहुदा आ सिलास कुछदिन तक एन्टिओखियेमे रहलै। तकरबाद बिस्बासी भाइ-भैयारीसब ओकरासबके आसिरबाद देल्कै जेसब ओकरासबके पठाइने छेलै ओकरेसबके लग बिदा कैरदेल्कै।
पावल आ बरनाबास कुछ समय तक एन्टिओखियामे औरो बहौतगोरा सङे मिलके परभुके सिक्छा दैत परचार करैत रहलै।
तकरबाद अपोलस अखैया इलाकामे जाइके बिचार करल्कै। एफिससमे रहल परभुके बिस्बासीसब ओकरा जाइले उत्साह देल्कै तब अपोलसके स्वागत करिहे कैहके ओते रहैबला चेलासबके एकटा चिठी लिखके पठाइल्कै। अखैया पुगलाके बाद अपोलस ओते परभुके अनुगरहके कारन बिस्बास करैबलासबके बहौत सहायता करल्कै।
आब भाइ अपोल्लोसके बिसयमे हमरा कुछ कहैके छै, कि हम ओकरा औरो भाइसबसङे मिलके तोरासबसङे भेटघाट करैके बहुतो आगरह करनेछेलियै, महज अखैन ओकरा आबैके एकोरती इक्छा नै छै। महज मौका पाबते मातर उ एतै।