31 उसब चिठीमे उत्साहके बात पैढ़के सब बिस्बासीसब खुसी भेलै।
जब कुछ लोकसब यहुदिया परदेससे एन्टिओखियामे आइबके बिस्बासीसबके अनङ सिक्छा देबे लाग्लै, “जाबेतक तुसब मोसाके नियम जखा खतना नै करबिही ताबे तक तुसब मुक्ती नै पाबबिही।”
तहै खातिर बिस्बासीके कन्हामे यि जुवा राइखके कथिले परमेस्वरके परिक्छा करैचिही? यि जुवा नै त अपनासबके पिता-पुरखा नै त आपनेसब बोके सक्लियै।
तकरबाद उ चारु भाइ-भैयारीसब यि चिठी लके एन्टिओखिया सहरमे गेलै। ओते उसब मन्डलीके सब बिस्बासीके बोल्याके चिठी देल्कै।
यहुदा आ सिलास ओहोसब परमेस्वरके तरफसे बोलैबला अगमबक्तासब रहै। उसब परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसबके बिस्बासमे मजगुत करैत उत्साह देल्कै।
अहिनङे मन्डलीके लोकसब बिस्बासमे मजगुत हैतगेलै आ दिन-दिने बिस्बास करैबला लोकसब बरहैत गेलै।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।