बरनाबास आ पावल एन्टिओखियामे पुग्लै तब ओते मन्डलीके सब बिस्बासीके बोलाइल्कै। तब ओइसबके सुनाइल्कै जे परमेस्वर ओकरासबसङे केहन-केहन काम करल्कै आ कनङके उ गैर-यहुदीसबके खातिर बिस्बासके केबार खोइलदेल्कै।
जब कुछ लोकसब यहुदिया परदेससे एन्टिओखियामे आइबके बिस्बासीसबके अनङ सिक्छा देबे लाग्लै, “जाबेतक तुसब मोसाके नियम जखा खतना नै करबिही ताबे तक तुसब मुक्ती नै पाबबिही।”
तब पावल आ बरनाबासके ओइसबसङे बहौत कहा-कही आ झगरा भेलाके बाद ओतेका बिस्बासीसब यि सबालके खातिर सरसल्लाह करैले पावल आ बरनाबास आ औरो लोकसबके परेरितसब आ मन्डलीके रेखदेख करैबलासब लग यरुसलेम पठाइले निरनय करल्कै।
जब उसब यरुसलेममे पहुचलै तब ओइसबके ओतेका मन्डली, परेरितसब आ मन्डलीके रेखदेख करैबलासब स्वागत करल्कै। तब बरनाबास आ पावल ओइसबके सुनाबे लाग्लै जे परमेस्वर ओकरासबसे केहन-केहन कामसब करने छै।