21 कथिलेत मोसाके देल्हा नियम त पैहनैयेसे सहर-सहर आ गाम-गाम परचार करल जाइछै, ओकर लिखल हरेक सभाघरमे परहल जाइछै।”
महज अबराहम कहल्कै, ‘ओकरौरके सङे मोसा आ अगमबक्तासबके लिखल पबितर धरमसास्तरसब छौ त, ओकरे मानतौ त नै हेतौ!’
येसु नासरत गाममे एलै, जते उ बरहल छेलै। ओते उ पबितर बिसरामके दिन यहुदी सभाघरमे जाइ छेलै। पबितर धरमसास्तर परहैले ठार भेलै।
मोसाके देल बेबस्था आ अगमबक्तासबके लिखल किताब पढ़लाके बाद, सभाघरके अगुवासब पावल आ बरनाबासके बोल्याके कहल्कै, “हे यौ भैयारीसब! यदी अहाँसबसे लोकसबके साहसके खातिर कुछो कहैले चाहैचियै त, कहु।”
महज यरुसलेमके बासि आ ओकरौरके सासकसब मुक्तीदाता येसुके नै चिन्हल्कै। अगमबक्तासबके धरमसास्तरमे लिखल बात हरेक बिसराम दिनमे उसब परहल्कै तैयो उसब नै बुझल्कै आ ओकरा मिरतुदन्ड द्याके उ बचन पुरा करल्कै।