14 परमेस्वर कनङके गैर-यहुदीके दया कैरके ओकरासबके आपन लोक बनाइल्कै, से बात सिमोन अखुन्ते कहलक,
“इजराएलके परमपरभु परमेस्वरके परसन्सा हेबे, कथिलेत उ एलछै आ आपन लोकसबके छुटकारा देने छै।
परमेस्वरके दयालु किरपाके कारन, स्वरगसे बिहन्का मुक्तीके इजोत हमरासबके लग पठाइतै।
यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर अपनासबके अनुगरह कैरके परेरित बनेल्कै। सब जातीके लोकसब बिस्बास करे आ ओकर कहल बात माने कैहके हमरा ओकर नाउमे पठाइनेछै।
कथिलेत सब चिज ओकरे सिरिस्टी चियै आ ओकरेसे बनलछै आ ओकरे लेल बन्याल छै। ओकर महिमा सबदिन हैतरहे! आमेन।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके दास आ परेरितके तरफसे अपनासबके परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके धारमिकतासे अपनेसब जखा अनमोल बिस्बास पाबैबलासबके लेल यि चिठी लिखरहल चियै।