3 पावल आ बरनाबास ओते बहौत दिनतक रहलै। उसब निडर भ्याके परभु येसुके खातिर परचार करैत रहलै। परभु ओकरासबके हाथसे चेन्हासब आ अच्चमके कामसब कैरके आपन किरपाके बिसयमे ओकरासबके परचारके सत ठहराइल्कै।
तब चेलासब सब ठामसबमे ज्याके परचार करल्कै। परभु उसबके मदत करल्कै आ अचममे कामसबसे ओकरासबके बचनमे सत छै कैहके ठहरेल्कै।]
येसु ओकरा कहल्कै, “तुसब जाबे तलिक अजगुतके कामसब आ चेन्हासब नै देखबिही ताबे तलिक कहियो नै बिस्बास करबही।”
तब पावल आ बरनाबास साहस कैरके कहल्कै, “परमेस्वरके बचन सबसे पैहने तोरासबके सुनेनाइ जरुरी छेलै, महज तोरौरके सुनैले नै मानलिही। तोरौरके आपनके अनन्त जिबनके योगके नै मानैचिही। आब हमसब दोसर जातीके लोकसबके परमेस्वरके बचन सुनाबे जेबै।
“इजराएलके लोकसब, यि बात सुन, नासरतके येसु एहेन लोक छेलै, जकरा परमेस्वर सक्तिसाली कामसब, अच्चमके कामसब आ चेन्हासबसे तोरौरके अगा साबित करल्कौ। तोरौरके थाहे छौ कि परमेस्वर तोरासबके बिचमे यि सब कामसब ओकरसे कराइने छै।
महज हम आपन जिबनके कोनो मोलके नै मानैचियै। अतबेहेक मातर चाहैचियै कि, परमेस्वर लोकसबके अनुगरह देने छै से सुसमाचार करैले हम अन्ततक दौरबरहा करी आ परभु येसुसे मिलल सेबाके काम पुरा करेसकी।
“आब हम तोरासबके परमेस्वरके जिम्मा आ ओकर अनुगरहके बचनमे सौपदैचियौ, जैसे तोरासबके बिस्बासमे मजगुत बनाइले सक्तौ आ पबितर करल लोकसबके सङे उतराधिकार दैले सक्तौ।
जब उसब परथना समापत करल्कै तब ओइठाम जते उसब जमा भेलरहै ओते सबकोइ थरकलै आ उ सबकोइ पबितर आत्मासे भरलै आ उसब साहसके साथ परमेस्वरके बचन परचार करे लाग्लै।
यि सब बातसबके हमसब साक्छी चियै आ परमेस्वर आपन आग्यापालन करैबलासबके देल पबितर आत्मा सेहो साक्छी दैछै।”
हमरा यि सुसमाचार सुनाइले लाज नै लागैछै, कथिलेकी बिस्बास करैबला सबलोकके मुक्ती दैकेलेल यि सुसमाचार परमेस्वरके सक्ती चियै, जे पहिने यहुदीसबके लेल आ बादमे गैर-यहुदीयोसबके लेल चियै।
तोरासबलग आबैसे पहिने हमसब फिलिप्पी सहरमे कनङके दुख भोगलियै आ अपमानित भेलियै से तोरासबके थाहे छौ। तैयो बहौत गोरा बिरोधी रहितोपरभी परमेस्वरमे साहस कैरके हमसब तोरासबके सुसमाचार सुनेलियौ।
परमेस्वर बहुतरा चेन्हासब देखाके बहुत किसिमके आस्चरजके कामसब आ सक्तीसाली कामसब करैत उ आपन इक्छा बमोजिम पबितर आत्माके दान-बरदानसब द्याके यि बातके गबाही देल्कै।