20 महज जब ओते बिस्बासीसब ओकर कात-करौतमे जम्मा भेलै तब उ उइठके सहर दिसन गेलै। तकर बिहानके उ आ बरनाबास सङे निकैलके डरबी चैलगेलै।
जब बरनाबास टारससमे साउलके भेटलै तब ओकरा एन्टिओखियामे आनल्कै। उ दुनुगोरे पुरा एक बरिसतक ओतेका मन्डलीमे सङगती करैत रहलै। ओतेका बहौत लोकसबके सिक्छा देल्कै। सबसे पैहने एन्टिओखियामे खिरिस्टके बिस्बासीसबके इसाइ कहल्कै।
तब अगाबसके भबिसबानी सुइनके परभुके बिस्बासीसब यहुदिया इलाकामे रहैबलासबके मदत करैके खातिर उसब जतहेक सक्तै ततहेक भेटी पठाइले बिचार करल्कै।
पतरुस ओइसबके “चुप हो” कैहके हाथसे इसरा करल्कै आ परभु कनङ ओकरा जहलसे निकालल्कै से बात ओइसबके सुनाइल्कै। यि बात “याकुब आ ओकर दोसरो भाइसबके कहल्कै।” तब उ ओतेसे दोसर ठाम चैलगेलै।
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
तब उसब एन्टिओखिया मन्डलीके बिस्बासीसब सङे बहौत दिनतक रहलै।
महज यि बात पावल आ बरनाबास बुझ लेल्कै, तब तुरन्त लुकोनिया इलाकाके लुस्तरा आ डरबीके सहर दिसन भाइगके गेलै,
पावल डरबी सहर हैत लुस्तरा सहरमे पुग्लै। लुस्तरामे तिमोथी नामके परभुमे बिस्बास करैबला एकटा चेला रहै। उ बिस्बासी यहुदी जनिके बेटा रहै महज ओकर बाप गिरिक जातीके रहै।
जहलसे निकललाके बाद पावल आ सिलास लिडियाके घरमे गेलै। ओते उसब परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब सङे भेटघाट करल्कै आ साहस द्याके ओतेसे बिदाह भेलै।
जब ओते हुलदङा सान्त भेलै तब पावल बिस्बासीसबके बोलाइल्कै आ उत्साहके बचनसब कैहके उसबसे बिदा भ्याके माकेडोनिया इलाका दिसन गेलै।
हमरासबके निकसे चिन्हीयोके अनचिन्हार जखा करैछै। मरे लागल चियै तैयो जियल चियै। सजाय पाबनेचियै तैयो मारलगेल नै चियै।